जन्तु विज्ञान
दिखावट
जन्तु विज्ञान या जन्तु शास्त्र (Zoology / Animal Biology) जीव विज्ञानक ओ शाखा छी जाहिमे संतू जगत केर सम्बन्धमे वैज्ञानिक अध्ययन कएल जाइत अछि । जीव विज्ञान केर एहि शाखाक अन्तर्गत कोनहु जिबैत (Extant) वा विलुप्त (Extinct) जन्तुक शरीर रचना, शरीर क्रिया, भ्रुणविज्ञान, क्रमिक उद्विकाश, अभिज्ञान (पहिचान), जैव वर्गीकरण आ पारिस्थितिक तन्त्रमे ओहि जन्तुक योगदान आदिक अध्ययन कएल जाइत अछि ।
प्राणीक परिभाषा
[सम्पादन करी]प्राणीक परिभाषा बहुतेक प्रकार सँ कएल गेल अछि । किछ लोग प्राणी एहन जीव के कहैत अछि जे कार्बोहाइड्रेट, प्रोटिन आ वसाक सृजन तँ नै करैत अछि, मुदा जीवनयापनक लेल एहि पर निर्भर करैत अछि । ई पदार्थसभ के प्राणी बाह्य स्रोत सँ प्राप्त करैत अछि । एकर सृजन करैवाला पादप जातिक जीव होइत अछि, जे अकार्बनिक स्रोत सँ प्राप्त पदार्थसभ सँ एकर सृजन करैत अछि ।