द्वितीय विश्वयुद्ध

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
द्वितीय विश्वयुद्ध

व्हाइटहलसँ जर्मनीक सँ युद्धमे जीतक घोसणा करैत चर्चिल, ८ मई १९४५
तिथि १ सितम्बर १९३९ - २ सितम्बर १९४५ (६ वर्ष आ १ दिन)
स्थान यूरोप, प्रशान्त, अटलान्टिक, दक्षिण-पूर्व एशिया, चीन, मध्य पूर्व, भूमध्यसागर, उत्तरी अफ्रीका आ हर्न अफ अफ्रीका, संक्षेपमे उत्तर आ दक्षिण अमेरिका
परिणाम मित्रराष्ट्रक बिजय
  • नाजी जर्मनीक पतन
  • जापानी आ इतालवी साम्राज्यसभक पतन
  • राष्ट्र सङ्घक विघटन
  • संयुक्त राष्ट्रक निर्माण
  • महाशक्तिसभक रूपमे संयुक्त राज्य अमेरिका आ सोवियत सङ्घक उत्थान
  • शीत युद्धक शुरुआत
युद्धरत
मित्रपक्ष शक्तिसभ अक्ष शक्तिसभ
उच्चाधिकारी तथा नेतासभ
मुख्य मित्रपक्ष नेता
आकृति:Country data सोवियत सङ्घ जोसफ स्टेलिन
संयुक्त राज्य अमेरिका फ्रैन्क्लिन डेलानो रूजवेल्ट
आकृति:Country data यूनाइटेड किङ्गडम विस्टन चर्चिल
जनबादी गणतन्त्र चीन चिआङ्ग काई शेक
मुख्य अक्ष नेता
आकृति:Country data नाजी जर्मनी एडोल्फ हिटलर
आकृति:Country data जापानी साम्राज्य हिरोहितो
आकृति:Country data इटली बेनितो मुसोलिनी
धनजनक विनास
सैन्य मृत:
१६,०००,००० सँ अधिक
नागरिक मृत:
४५,०००,००० सँ अधिक
कुल मृत:
६१,०००,००० सँ अधिक(१९३७–४५)
सैन्य मृत:
८,०००,००० सँ अधिक
नागरिक मृत:
४,०००,००० सँ अधिक
कुल मृत:
1१२,०००,००० सँ अधिक (१९३७–४५)

द्वितीय विश्वयुद्ध १९३९ सँ १९४५ धरि चलल विश्व-स्तरीय युद्ध छल । लगभग ७० देशसभक थल-जल-वायु सेनासभ एही युद्धमे सम्मलित छल । एही युद्धमे विश्व दु भागसभमे बाँटल छल - मित्र राष्ट्रधुरी राष्ट्र। एही युद्धक काल पूर्ण युद्धकऽ मनोभाव प्रचलनमे आएल कियाकी एही युद्धमे लिप्त समुचा महाशक्तिसभ द्वारा अपन आर्थिक, औद्योगिक तथा वैज्ञानिक क्षमता एही युद्धमे झोकि देने छल । एही युद्धमे विभिन्न राष्ट्रसभक लगभग १० करोड़ सैनिकसभ द्वारा भाग लेने छल, तथा ई मानव इतिहासक सभसँ घातक युद्ध साबित भेल । एही महायुद्धमे ५ सँ ७ करोड़ व्यक्तिसभक मृत्यु भेल कियाकी एकर महत्वपूर्ण घटनाक्रममे असैनिक नागरिकसभक नरसंहार- जहिमे होलोकास्ट सेहो सम्मिलीत अछि- तथा परमाणु हथियारसभक एकमात्र प्रयोग सम्मिलीत अछि (जेकर कारणसँ युद्धक अन्तमे मित्र राष्ट्रसभक जीत भेल)। एही कारण ई मानव इतिहासक सभसँ भयङ्कर युद्ध छल ।[१]

मुदा जापान चीनसँ सन् १९३७ ई. सँ युद्धक अवस्थामे छल[२] दोसर विश्व युद्धक शुरुआत ०१ सितम्बर १९३९ मे जानल जाइत अछि मुदा जर्मनी द्वारा पोल्यान्ड पर हमला कएलाक बाद जखन फ्रान्स द्वारा जर्मनी पर युद्धक घोषणा करि देलक आ इङगल्यान्ड आ अन्य राष्ट्रमन्डल देशसभ द्वारा सेहो एकरा अनुमोदन केनए छल ।

जर्मनी द्वारा १९३९ मे यूरोपमे एकटा पैग साम्राज्य बनेबाक उद्देश्यसँ पोल्यान्ड पर हमला कएल देने छल । १९३९ क अन्तसँ १९४१ क शुरुआत धरि, अभियान आ सन्धिक एक शृङ्खलामे जर्मनी द्वारा महाद्वीपीय यूरोपक बड़का भाग या तs अपन अधीन करि लेनए छल या ओकरा जिति लेनए छल । नाट्सी-सोवियत समझौतासभके अनुरुप सोवियत रूससँ अपने छःटा पड़ोसी देशसभ, जहिमे पोल्यान्ड सेहो समाबेश छल, लेकिन काबिज भs गेल । फ़्रान्सक हारिक बाद युनाइटेड किंङ्गडम आ अन्य राष्ट्रमन्डल देश मात्र धुरी राष्ट्रसभसँ सङ्घर्ष करि रहल छल, जहिमे उत्तरी अफ्रीकाक लड़ाइसभ बहुत दिन धरि चलल अटलान्टिकक लड़ाई समाबेश छल । जून १९४१ मे युरोपीय धुरी राष्ट्रसभ द्वारा सोवियत सङ्घ पर हमला करि मानव इतिहासमे जमीनी युद्धक सभसँ पैग रणक्षेत्रक जन्म देलक । दिसम्बर १९४१ कs जापानी साम्राज्य सेहो धुरी राष्ट्रसभक दिससँ एकरा युद्धमे कूदि गेल । मुदा जापानक उद्देश्य पूर्वी एशियाइंडोचायनामे अपन प्रभुत्व स्थापित केनाए छल । ओ प्रशान्त महासागरमे युरोपीय देशसभक आधिपत्य वाला क्षेत्रसभ आ संयुक्त राज्य अमेरीकाक पर्ल हार्बर पर हमला करि देलक आ जल्दी पश्चिमी प्रशान्तसभ पर कब्जा करि लेलक ।

सन् १९४२ मे आगा बढ़ैत धुरी सेना पर लगाम तखन लागल जखन पहिले तs जापान लगातार बहुतो नौसैनिकसभ झड़पमे हारल आ युरोपीय धुरी ताकतसभ उत्तरी अफ़्रीकामे हारि निर्णायक मोड़मे तखन आएल जखन ओकरा स्तालिनग्राडमे हारक मुँह देखs पड़ल छल । सन् १९४३ मे जर्मनी पूर्वी युरोपमे बहुतो झड़पसभ हारि, इटलीमे मित्र राष्ट्रसभ द्वारा आक्रमण करि देलक आ अमेरिका द्वारा प्रशान्त महासागरमे जीत दर्ज करि शुरु केलक जकर कारणवश धुरी राष्ट्रसभक समुचा मोर्चा पर सामरिक दृश्टिसँ पाछा हटsक रणनीति अपनाबsक मजबूर होमए पड़ल छल । सन् १९४४ मे जहिठाम एक दिस पश्चिमी मित्र देशसभ जर्मनी द्वारा कब्जा कएल गेल फ्रान्स पर आक्रमण केलक वहीठाम दोसर दिससँ सोवियत सङ्घ द्वारा अपन हारल जमीन पुनः छीनिक बादमे जर्मनी आ ओकर सहयोगी राष्ट्रसभ पर हमला बोलि देने छल । सन् १९४५ कs अप्रिल-मईमे सोवियत आ पोल्यान्डक सेनासभ द्वारा बर्लिन पर कब्जा करि लेनए छल आ युरोपमे दोसर विश्वयुद्धक अन्त ८ मई १९४५ कs तखन भेल जखन जर्मनी द्वारा बिना शर्त आत्मसमर्पण करि देनए छल ।
सन् १९४४ आ १९४५ कs कालमे अमेरिकाद्वारा बहुतो जगहसभ पर जापानी नौसेनाक हराए आ पश्चिमी प्रशान्तक बहुतो द्वीपसभमे अपन कब्जा बनाs लेलक । जखन जापानी द्वीपसमूह पर आक्रमण करsक समय लगभग आएल तखन अमेरिका द्वारा जापानमे दुटा परमाणु बम गिरा देल गेल छल । १५ अगस्त १९४५ कs एशियामे सेहो दोसर विश्वयुद्धक समाप्ती भs गेल जखन जापानी साम्राज्य द्वारा आत्मसमर्पण कनाए स्वीकार करि लेलक ।

पृष्ठभूमि[सम्पादन करी]

यूरोप[सम्पादन करी]

प्रथम विश्व युद्धमे केन्द्रीय शक्तिसभ - अस्ट्रिया-हङ्गरी, जर्मनी, बुल्गारिया आर ओटोमन साम्राज्य सहितक हारिक संगे आ रूसमे १९१७ मे बोल्शेविक द्वारा सत्ताक जब्ती (सोविएत सङ्घक जन्म) द्वारा यूरोपीय राजनीतिक मानचित्रक मौलिक रूपसँ बदलि देने छल । एहि बीच, फ्रान्स, बेल्जियम, इटली, ग्रीस आ रोमानिया जेहन विश्व युद्धक विजयी मित्र राष्ट्रसभ द्वारा बहुतो नयाँ क्षेत्र प्राप्त करि लेलक, आ अस्ट्रिया-हङ्गरी,ओटोमन आर रूसी साम्राज्यसभक पतनसँ बहुतो नव राष्ट्र-राज्य बनिकऽ बाहर आएल।

राष्ट्र सङ्घक सभा, जेनेवा स्विट्जरल्यान्डमे आयोजित, १९३०

भविष्यक विश्व युद्ध रोकिक लेल, १९१९ पेरिस शान्ति सम्मेलनक काल राष्ट्र सङ्घक निर्माण भेल । सङ्गठनक प्राथमिक लक्ष्य सामूहिक सुरक्षाक माध्यमसँ सशस्त्र सङ्घर्ष कऽ रोकि, सैन्य आ नौसैनिक निरस्त्रीकरण, आ शान्तिपूर्ण वार्ता आ मध्यस्थताक माध्यमसँ अन्तर्राष्ट्रीय विवादसभ कऽ मुर्तरुप देबाक छल ।

एडोल्फ हिटलर एक जर्मन राष्ट्रीय समाजवादी राजनीतिक रैलीमे, वेमर, अक्टूबर १९३०
जर्मन सेना १९३५ मे नुरेम्बेर्गमे

एशिया[सम्पादन करी]

चीनमे कुओमिन्ताङ्ग (केएमटी) पार्टी द्वारा क्षेत्रीय जमीन्दारसभक बिरुद्ध एकीकरण अभियान शुरू कएलक आ १९२० क दशकमे मध्य धरि एक एकीकृत चीनक गठन कएलक, लेकिन जल्दी एकर पूर्व चीनी कम्युनिस्ट पार्टी सहयोगीसभ आ नव क्षेत्रीय सरदारसभ बीच गृह युद्धमे उलझि गेल । १९३१ मे, जापान अपन सैन्यवादी साम्राज्यक तेजीसँ बढ़ा रहल छल, ओहिठामक सरकार समुचा एशियामे अधिकार जमाबऽक सपना देखऽ लागल, आ एकर शुरुआत मुक्देनक घटनासँ भेल । जहिमे जापान द्वारा मन्चूरिया पर आक्रमण करि ओहि मान्चुकुसभक कठपुतली सरकार स्थापित करि देने छल ।

जापानक विरोध करऽक लेल असक्षम, चीन द्वारा राष्ट्र सङ्घसँ मदतिक लेल अपील केलक । मान्चुरियामे घुसपैठक लिए निन्दा भेलाक बाद जापान द्वारा राष्ट्र सङ्घ सँ अपन नाम आपस लऽ लेनए छल । दुनु देशसभद्वारा फेरोसँ शङ्घाई, रहल आ हेबैमे बहुतो लड़ाई लड़लक, जखन धरिक १९३३ मे एक समझौता पर हस्ताक्षर नै कएल गेल । ओकर बाद, चीनी स्वयंसेवी दल द्वारा मान्चुरिया, चहर आ सुयुआनमे जापानी आक्रमणक प्रतिरोध जारी राखलक । १९३६ कऽ शीआन घटनाक बाद, कुओमीटाङ्ग पार्टी आ कम्युनिस्ट बलसभ द्वारा युद्धविराम पर सहमति करि जापान कऽ विरोधक लेल एक संयुक्त मोर्चाक निर्माण कनेए छल ।

युद्ध पूर्वक घटनासभ[सम्पादन करी]

इथियोपिया पर इतालवी आक्रमण (१९३५)[सम्पादन करी]

युद्धक लेल जाइत काल इतालवी सैनिक, १९३५

दोसर इतालवी-एबिसिनियन युद्ध एक संक्षिप्त औपनिवेशिक युद्ध छल जे अक्टूबर १९३५ मे शुरू भेल आ मई १९३६ मे समाप्त भेल । ई युद्ध इथियोपिया साम्राज्य (जकरा एबिसिनिया सेहो कहल जाइत छल) मुदा इतालवी राज्यक आक्रमणसँ शुरू भेल, जेकी इतालवी सोमालील्यान्ड आ इरिट्रियाक दिससँ कएल गेल छल ।[३] युद्धक परिणामस्वरूप इथियोपिया पर इतालवी सैन्य कब्जा भऽ गेल आ ई इटलीक अफ्रीकी औपनिवेशिक राज्यक रूपमे शामिल भऽ गेल । एकरा छोरि, शान्तिक लेल बनल राष्ट्र सङ्घक कमजोरी खुलिकऽ अगाड़ी आएल । इटली आ इथियोपिया दुनु सदस्य छल, लेकिन जखन इटली द्वारा लीगक अनुच्छेद १० कऽ उल्लङ्घन केलक तैयो सङ्घ द्वारा किछ नै करल गेल । जर्मनी एकमात्र प्रमुख यूरोपीय राष्ट्र छल जेकी एहि आक्रमणक समर्थन केनए छल । कियाकी ओ जर्मनीक अस्ट्रिया पर कब्जाक समर्थन भऽ जाए ।


स्पेनी गृहयुद्ध (१९३६-३९)[सम्पादन करी]

चीन पर जापानी आक्रमण (१९३७)[सम्पादन करी]

सोवियत-जापानी सीमा संघर्ष[सम्पादन करी]

यूरोपीय व्यवसाय आ समझौतासभ[सम्पादन करी]

युद्धक शुरुआत[सम्पादन करी]

दोसर विश्वयुद्ध आ भारत[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. सोमरविले, डोनॉल्ड (२००८). द कम्पलीट इलुस्ट्रेटेड हिस्ट्री अफ वल्ड वार २: एन आथोरिटेटिव एकाउन्ट अफ द डेडलिएस्ट कोन्फ्लिक्टस इन ह्युमन हिस्ट्री विद एनालिसिस ऑफ डिसिजिव एन्काउंटर्स एंड लैंडमार्क इंगेजमेंटस. लॉरेंज़ बूक्स. प॰ ५. आइएसबिएन 0-7548-1898-5. 
  2. Barrett, David P; Shyu, लॉरेंस एन (२००१). चाईना इन द एंटी जापानीज़ वार, 1937–1945: पोलिटिक्स, कल्चर एंड सोसाईटी। वोल्युम 1 ऑफ स्टडीज़ ईन मॉडर्न चाईनीज हिस्टरी. न्यू यॉर्क: पीटर लैंग. प॰ 6. आइएसबिएन 0-8204-4556-8. 
  3. Andrea L. Stanton; Edward Ramsamy; Peter J. Seybolt. Cultural Sociology of the Middle East, Asia, and Africa: An Encyclopedia. प॰ 308. https://books.google.com/books?id=GtCL2OYsH6wC&printsec=frontcover#v=onepage&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 2014-04-06.