बिनोद बिहारी वर्मा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

बिनोद बिहारी वर्मा ( १९३७२००३ ) मैथिली भाषा के साहित्यकार, चिकित्सक, आ भारतीय सेना के अधिकारी छलाह। ई पंजी के उत्कृष्ट संशोधन के लेल जानल जाइत छथि। हिनक कृति ‘मैथिली कर्ण कायस्थक पंजिक सर्वेक्षण’ जे मैथिली भाषा मे प्रकाशित अछि, पुरातात्विक पंजी पर आधारित अछि। हुनकर अन्य रचना में निम्न वर्ग के लोक के जीवनशैली के चित्रण कएल गेल अछि जे बहुत मार्मिक अछि। अप्पन जीवनकाल में भारतीय सेना में वरिष्ठ अधिकारी आ डॉक्टर के रूप में आ सेवानिवृत्ति के बाद, दंत चिकित्सा महाविद्यालय में प्रिंसिपल के रूप में महत्वपूर्ण योगदान देलेन्ह। अपन काज केँ कुशलतापूर्वक प्रस्तुत करैत मैथिली साहित्यक क्षेत्र मे सेहो अप्पन योगदान देलेन्हि। हिनक किछु रचना "मिथिला मिहिर" आ "कर्णामृत्" सन प्रसिद्ध पत्रिका मे प्रकाशित भेल अछि। अप्पन पोथी के स्वतंत्र रूपेँ प्रकाशित केलेन्हि। उर्दू, संस्कृत, उड़िया, असमिया आ बंगला आदि प्रमुख भारतीय भाषा पर हुनक कमान छलन्हि। तिरहुता, असमिया, गुरमुखी, उड़िया आ नेपाली लिपि के सेहो जानकार छलाह।

रचनासभ[सम्पादन करी]

मैथिल करण कायस्थक पाँजिक सर्वेक्षण, बलानक बोनिहार ओ पल्लवी तथा अन्य कथा (कथा संग्रह)।