कोहिस्तान जिला (पाकिस्तान)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ख़ैबर-पख़्तूनख़्वा प्रांत मे कोहिस्तान जिला (लाल रंग मे)

कोहिस्तान (उर्दू आर पश्तो: ur‎, अंग्रेज़ी: Kohistan) पाकिस्तान के ख़ैबर-पख़्तूनख़्वा प्रांत के पूर्वोत्तरी भाग मे स्थित एक पूर्व जिला छल। ई जिलासभ क राजधानी दासू (ur‎) नामक बस्ती छी। वर्ष २०१४ मे एकरा द्विभाजित करि, ऊपरी कोहिस्तान जिला आर निचला कोहिस्तान जिला बनावल गेल।[१]


नाम क उत्पत्ति[सम्पादन करी]

'कोह' फ़ारसी भाषा क एक शब्द छि जेकर मतलब 'पर्वत' होएत अछी। अन्य हिन्द-ईरानी भाषासभ मे एही शब्द पश्तो मे 'ग़र', प्राचीन अवस्ताई भाषा मे 'गैरी' आर संस्कृत मे 'गिरि' के रूप मे सजातीय शब्द के तौर पर मिलैत अछि। कोहिस्तान जिला मे बहुत पहाड़ अछि, जाई से ई शब्द आएल अछी।

विवरण[सम्पादन करी]

कोहिस्तान जिला मे सन् १९९८ मे ४,७२,५७० लोकसभ क आबादी छल। एकर क्षेत्रफल क़रीब ७,४९२ वर्ग किमी अछी। एतए ज़्यादातर कोहिस्तानी भाषा आर अन्य दार्दी भाषासभ के साथ पश्तो बोलै वाला सेहो रहैत अछी। अधिकतर लोक धर्म सँ सुन्नी मुस्लिम अछी हालांकि एक अल्पसंख्यक शिया मुस्लिम समुदाय सेहो एतए मिलैत अछी। कोहिस्तान आर्थिक रूप सँ एक पिछडल आर अविकसित इलाक़ा समझल जाएत अछी। २००६ मे ई जिला क साक्षरता दर बस २०% छल ।[२] अधिकतर लोक कृषि आ मवेशी पालन सँ जीवन बसर करैत अछी आर गरीबी व्यापक अछी। जिला क जमीन पहाडडी आ शुष्क होएसँ खेती मे कठिनाई होएत अछी। पनीर, मक्खन, ऊन आर काठ एते के मुख्य उत्पादन छि।

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

आकृति:उत्तर पश्चिम सीमांत प्रान्त के जिले