चन्दा झा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

कविश्वर चन्दा झा 1831-1907

मूलनाम चन्द्रनाथ झा, पिता पंडित भोला झा , निवासी- अंधराठाढी, मधुबनी, जन्मग्राम- पिण्डारुछ, दरभंगा। कवीश्वर, कविचन्द्र नामसँ विभूषित। ग्रिएर्सनकेँ मैथिलीक प्रसंगमे मुख्य सहायता केनिहार।

कृति- मिथिला भाषा रामायण, गीति-सुधा, महेशवाणी संग्रह, चन्द्र पदावली, लक्ष्मीश्वर विलास, अहिल्याचरित आऽ विद्यापति रचित संस्कृत पुरुष-परीक्षाक गद्य-पद्यमय अनुवाद।