जगदीश प्रसाद मंडल
ई लेख एकटा विज्ञापनक जका लिखल गेल अछि। कृपया ई लेख कें तटस्थ दृष्टिकोण सँ पुन: सम्पादन करबाक मद्दति करी। एहन स्पष्ट विज्ञापन जकरा ज्ञानकोषीय बनेबाक लेल मौलिक रूप सँ लिखबाक आवश्यकता अछि, एकरा शीघ्र हटेबाक लेल चिन्हित करी {{शीह-व7}} आ एकर प्रयोग करी। |
ई लेखमे कोनो विश्वश्नीय स्रोत नै जोडल गेल अछि । |
जगदीश प्रसाद मण्डल-
श्री जगदीश प्रसाद मण्डलजीक जन्म मधुबनी जिलाक बेरमा गाममे 5 जुलाई 1947 इस्वीमे भेलैन। मण्डलजी हिन्दी एवं राजनीति शास्त्रमे एम.ए.क अहर्ता पाबि जीविकोपार्जन हेतु कृषि कार्यमे संलग्न भऽ रूचि पूर्वक समाज सेवामे लागि गेला। समाजमे व्याप्त रूढ़िवादी एवं सामन्ती व्यवहार सामाजिक विकासमे हिनका वाधक बुझि पड़लैन। फलत: जमीन्दार, सामन्तक संग गाममे पुरजोर लड़ाइ ठाढ़ भऽ गेलैन। फलत: मण्डलजी अपन जीवनक अधिकांश समय केस-मोकदमा, जहल यात्रादिमे व्यतीत केलाह। 2001 इस्वीक पछाइत साहित्य लेखन-क्षेत्रमे एला। 2008 इस्वीसँ विभिन्न पत्र-पत्रिकादिमे हिनक रचना प्रकाशित हुअ लगलैन। गीत, काव्य, नाटक, एकांकी, कथा, उपन्यास इत्यादि साहित्यक मौलिक विधामे हिनक अनवरत लेखन अद्वितीय सिद्ध भऽ रहलैन अछि। अखन धरि दर्जन भरि नाटक/एकांकी, पाँच साएसँ ऊपर गीत/काव्य, उन्नैस गोट उपन्यास आ साढ़े आठसाए कथा-कहानीक संग किछु महत्वपूर्ण विषयक शोधालेख आदिक पुस्तकाकार, साएसँ ऊपर ग्रन्थमे प्रकाशित छैन।
मिथिला-मैथिलीक विकासमे श्री जगदीश प्रसाद मण्डलजीक योगदान अविस्मरणीय छैन। ई अपन सतत क्रियाशीलता ओ रचना धर्मिताक लेल विभिन्न संस्थासभक द्वारा सम्मानित/पुरस्कृत होइत रहला अछि, यथा- विदेह सम्पादक मण्डल द्वारा ‘गामक जिनगी’ लघु कथा संग्रह लेल ‘विदेह सम्मान- 2011’, ‘गामक जिनगी व समग्र योगदान हेतु साहित्य अकादेमी द्वारा- ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड- 2011’, मिथिला मैथिलीक उन्नयन लेल साक्षर दरभंगा द्वारा- ‘वैदेह सम्मान- 2012’, विदेह सम्पादक मण्डल द्वारा ‘नै धारैए’ उपन्यास लेल ‘विदेह बाल साहित्य पुरस्कार- 2014’, साहित्यमे समग्र योदान लेल एस.एन.एस. ग्लोबल सेमिनरी द्वारा ‘कौशिकी साहित्य सम्मान- 2015’, मिथिला-मैथिलीक विकास लेल सतत क्रियाशील रहबाक हेतु अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा- ‘वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ सम्मान- 2016’, रचना धर्मिताक क्षेत्रमे अमूल्य योगदान हेतु ज्योत्स्ना-मण्डल द्वारा- ‘कौमुदी सम्मान- 2017’, मिथिला-मैथिलीक संग अन्य उत्कृष्ट सेवा लेल अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा ‘स्व. बाबू साहेव चौधरी सम्मान- 2018’, चेतना समिति, पटनाक प्रसिद्ध ‘यात्री चेतना पुरस्कार- 2020’, मैथिली साहित्यक अहर्निश सेवा आ सृजन हेतु मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति, गुवाहाटी-असम द्वारा ‘राजकमल चौधरी साहित्य सम्मान- 2020’, भारत सरकार द्वारा ‘साहित्य अकादेमी पुरस्कार- 2021’, साहित्य ओ संस्कृतिमे महत्वपूर्ण अवदान लेल अमर शहीद रामफल मंडल विचार मंच द्वारा ‘अमर शहीद रामफल मंडल राष्ट्रीय पुरस्कार- 2022’, मिथिलांचल विकास परिषद्, लहेरियासराय, दरभंगा द्वारा ‘यात्री सम्मान- 2022’ तथा साहित्य, संस्कृति, सामाजिक आ मिथिलांचलक सर्वांगीण विकासक क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान हेतु ‘शिखर सम्मान- 2022’ सँ सम्मानित/पुरस्कृत।
रचना संसार : 1. इन्द्रधनुषी अकास, 2. राति-दिन, 3. तीन जेठ एगारहम माघ, 4. सरिता, 5. गीतांजलि, 6. सुखाएल पोखरिक जाइठ, 7. सतबेध, 8. चुनौती, 9. रहसा चौरी, 10. कामधेनु, 11. मन मथन, 12. अकास गंगा - कविता संग्रह। 13. पंचवटी- एकांकी संचयन। 14. मिथिलाक बेटी, 15. कम्प्रोमाइज, 16. झमेलिया बिआह, 17. रत्नाकर डकैत, 18. स्वयंवर- नाटक। 19. मौलाइल गाछक फूल, 20. उत्थान-पतन, 21. जिनगीक जीत, 22. जीवन-मरण, 23. जीवन संघर्ष, 24. नै धाड़ैए, 25. बड़की बहिन, 26. भादवक आठ अन्हार, 27. सधवा-विधवा, 28. ठूठ गाछ, 29. इज्जत गमा इज्जत बँचेलौं, 30. लहसन, 31. पंगु, 32. आमक गाछी, 33. सुचिता, 34. मोड़पर, 35. संकल्प, 36. अन्तिम क्षण, 37. कुण्ठा, 38. सुनयना बेटी- उपन्यास। 39. पयस्विनी- प्रबन्ध-निबन्ध-समालोचना। 40. कल्याणी, 41. सतमाए, 42. समझौता, 43. तामक तमघैल, 44. बीरांगना- एकांकी। 45. तरेगन, 46. बजन्ता-बुझन्ता- बीहैन कथा संग्रह। 47. शंभुदास, 48. रटनी खढ़- दीर्घ कथा संग्रह। 49. गामक जिनगी, 50. अर्द्धांगिनी, 51. सतभैंया पोखैर, 52. गामक शकल-सूरत, 53. अपन मन अपन धन, 54. समरथाइक भूत, 55. अप्पन-बीरान, 56. बाल गोपाल, 57. भकमोड़, 58. उलबा चाउर, 59. पतझाड़, 60. गढ़ैनगर हाथ, 61. लजबिजी, 62. उकड़ू समय, 63. मधुमाछी, 64. पसेनाक धरम, 65. गुड़ा-खुद्दीक रोटी, 66. फलहार, 67. खसैत गाछ, 68. एगच्छा आमक गाछ, 69. शुभचिन्तक, 70. गाछपर सँ खसला, 71. डभियाएल गाम, 72. गुलेती दास, 73. मुड़ियाएल घर, 74. बीरांगना, 75. स्मृति शेष, 76. बेटीक पैरुख, 77. क्रान्तियोग, 78. त्रिकालदर्शी, 79. पैंतीस साल पछुआ गेलौं, 80. दोहरी हाक, 81. सुभिमानी जिनगी, 82. देखल दिन, 83. गपक पियाहुल लोक, 84. दिवालीक दीप, 85. अप्पन गाम, 86. खिलतोड़ भूमि, 87. चितवनक शिकार, 88. चौरस खेतक चौरस उपज, 89. समयसँ पहिने चेत किसान, 90. भौक, 91. गामक आशा टुटि गेल, 92. पसेनाक मोल, 93. कृषियोग, 94. हारल चेहरा जीतल रूप, 95. रहै जोकर परिवार, 96. कर्ताक रंग कर्मक संग, 97. गामक सूरत बदैल गेल, 98. अन्तिम परीक्षा, 99. घरक खर्च, 100. नीक ठकान ठकेलौं, 101. जीवनक कर्म जीवनक मर्म, 102. संचरण, 103. भरि मन काज, 104. आएल आशा चलि गेल, 105. जीवन दान, 106. अप्पन साती, 107. साहित्यकारक विवेक तथा 108. नब बनक नब फल, 109. सेहन्ता सेहन्ते रहि गेल, 110. बासभूमि, 111. टकुआटान 112. एकलव्यपन- कथा संग्रह।