चौधरी ग्रूप अफ इन्डस्ट्रीज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

चौधरी ग्रूप अफ इन्डस्ट्रीज नेपालक प्रमुख उद्योग समूहमे एक छी। ई समूहक बीजारोपण सन् १८७० भूमल चौधरी कपडा व्यापारसँ केने छल। समूह ४० सँ बेसी कम्पनीमे साढे १७ अर्ब रूपैयाँसँ बेसी लगानी केने अछि। कम्पनी खाद्य तथा पेय, विद्युत् तथा घरेलु प्रयोगक विद्युतीय उपकरण, बियर, चुरोट, वित्तीय संस्था, पूर्वाधार, होटल, आवास विकास, अटोमोबाइल, अस्पताल, स्कूललगायतक क्षेत्रमे लगानी केने अछी।


वाइवाइ चाउचाउक दक्षिण एसियामे समेत एकाधिकार लै सँ चौधरी समूहक बहुराष्ट्रिय उद्यमी बनेलक। नेपालमे वाइवाइ लोकप्रिय भेल। एकर बाद चौधरी समूह नेपालमे उत्पादन भेल चाउचाउ लके भारतीय बजार प्रवेश केलक। किछ वर्ष पहिले भारतक विभिन्न स्थानमे उद्योग समेत खोललक। भुटान, मध्यपूर्वलगायत देशमे वाइवाइ बजार लेने अछि।

सीजी भितरे झन्डै ४० कम्पनी अछि। विदेशमे आक्रमक रूपमे लगानी विस्तार केलाके बाद सिजीमे एखन आधुनिक व्यवस्थापन आ संस्थागत सुशासनक अभाव देखल जाइत अछि। वाइवाइ वार्षिक कारोवार कते करैत अछि, सिजी टेलिभिजन नाफा अछि या नोक्सानमे। ई एखन धरि सीजी सार्वजनिक केने नै अछि। सीजी विभिन्न क्षेत्रमे २५ करोड अमेरिकी डलर लगानी केने मात्र सार्वजनिक केने अछि। भारतमे रिलायन्स या टाटा ग्रूप जेना आम सर्वसाधारण नेपालीक अपन कम्पनी आ अर्थतन्त्रसँ जोडैके क्षेत्रमे सेहो सीजी लगल अछि। सीजीक किछ कम्पनीक सेयर सर्वसाधारणक विक्री कएल गेल अछि । परन्तु, ई स्टक एक्सेन्जमे कारोवार होए वाला कम्पनीमे सीजी समुहके लगानी होएसँ कोनो प्रभाव पडल नै अछि। सेयर बजार कम्पनी आ लगानीकर्ताक छवि नाप्ने व्यारोमिटर सेहो छी।[१]

इतिहास[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. [१] सङ्ग्रहित २०११-०२-२८ वेब्याक मेसिन नागरिक न्यूज

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]