अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक दिवस
दिखावट
अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक दिवस International Workers' Day | |
---|---|
आधिकारिक नाम | अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक दिवस |
अन्य नाम | मई दिवस |
समुदाय | समाजवादीसभ तथा मजदुर सङ्गठनसभ |
अनुष्ठान | विभिन्न झाँकीसभ प्रस्तुतीकरण, र्यालि तथा सभा |
तिथि | मई १ |
मानाएल | बार्षिक |
समबन्ध | मई दिवस, मजदुर दिवस |
अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक दिवस मई १ तारिखक दिन विश्वमे अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक आन्दोलनक उत्सवक रूपमे मनाएल जाइवला एक पर्व छी । ई दिन विश्वक ८० सँ बेसी राष्ट्रसभमे आधिकारिक रूपमे सार्वजनिक विदा होइत अछि तहिना कतिपय राष्ट्रसभमे सामान्य रूपमे मनाएल जाइत अछि । विश्वक बहुतेक राष्ट्रसभमे याह दिनके आधिकारिक मजदुर दिवसक रूपमे मनाएल जाइत अछि तहिना किछ राष्ट्रसभमे ई दिन बसन्त ऋतुक पर्व मई दिवसक रूपमे मनाएल जाइत अछि । तहिना अमेरिका लगायत किछ राष्ट्रसभमे मजदुर दिवस अलग दिनमे मानाएल जाइत अछि ।
इतिहास
[सम्पादन करी]अन्तर्राष्ट्रिय श्रमिक दिवस ४ मई १८८६ मे शिकागोमे भेल हेमार्केट मामलाक स्मृतिमे मनाएल जाइत अछि । उक्त दिन प्रहरीद्वारा आठ-घण्टे कार्यदिनक लेल साधारण आन्दोलन करिरहल श्रमिकसभके तितरवितर करवाक कोसिस करिरहल समय कोनो अज्ञात व्यक्ति ओसभ उपर बम फेक देनए छल ।