सामग्री पर जाएँ

विदेह आर्काइभ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

"विदेह आर्काइभ" विदेह (पत्रिका) पत्रिका द्वारा संचालित छै जाहिमे मैथिलीक पोथी-पत्रिका, आडियो, भीडियो, मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र मिथिलाक वनस्पति एवं जीव-जंतु, मिथिलाक जीवन आदिक क्रमशः पी.डी.एफ फाइल आ फोटो सभ देल गेल छै। एहि अर्काइभकेँ चित्र-शब्दकोश कही तँ गलत नै। []

मैथिली पोथी डाउनलोड Maithili Books Download

[सम्पादन करी]

लगभग 400 पोथी एवं पत्रिकाक अंकक पी.डी.एफ फाइल एहिठाम राखल गेल अछि जकरा पाठक बिना कोनो कीतमकेँ डाउनलोड कऽ पढ़ि सकै छथि। ई एकटा विशिष्ट आनलाइन पुस्तकालय अछि। एहि पुस्तकालय केर मुख्य आकर्षण पंजी केर मूल पृष्ठ सभहँक स्पष्ट फोटो अछि। []

मैथिली ऑडियो संकलन Maithili Audio Downloads

[सम्पादन करी]

एहि खंडमे मिथिलाक सभ जाति आ धर्मक संस्कार, लोकगीत आ व्यवहार गीत, ममता गाबय गीत (मैथिली फिल्म) , मैथिली लोकगीत एवं अन्यान्य आडियो राखल गेल अछि []

मैथिली वीडियोक संकलन Maithili Videos

[सम्पादन करी]

एहि खंडमे समन्वय 2-4 नवम्बर 2012 इण्डिया हैबीटेट सेन्टर भारतीय भाषा महोत्सव केर वीडियो, विदेह सम्मान उर्फ  समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान समारोह एवं अन्याअन्य संस्था द्वारा मनाओल विद्यापति पर्वक भीडियो अछि []

मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र Mithila Painting/ Modern Art and Photos

[सम्पादन करी]

एहि खंडमे मिथिलाक वनस्पति स्लाइड शो, मिथिलाक जीव-जन्तु स्लाइड शो, मिथिलाक जिनगी स्लाइड शो, श्वेता झा चौधरी, तुनिशा प्रियम , प्रीति ठाकुर, तूलिका, उमेश कुमार महतो आदिम मिथिला चित्रकला, कैलास कुमार मिश्र - यायावरी फोटो संगे-संग बहुत रास कर्यक्रमक फोटो सभ राखल गेल अछि []

  1. http://videha.co.in/new_page_15.htm
  2. "Archive copy"मूलसँ 2017-10-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-07-10{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link)
  3. "Archive copy"मूलसँ 2016-10-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-07-10{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link)
  4. "Archive copy"मूलसँ 2016-10-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-07-10{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link)
  5. "Archive copy"मूलसँ 2016-09-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-07-10{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link)