मालविका सिन्हा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मालविका सिन्हा भारतीय रिजर्व बैंकमे एक कार्यपालक निर्देशक (इडी) छी । ओ ३ अप्रैल २०१७ कें ई पद पर नियुक्त कएल गेल छल । कार्यपालक निर्देशकक रूपमे श्रीमती सिन्हा विदेशी मुद्रा विभाग, सरकारी आ बैंक लेखा विभाग आ आन्तरिक ऋण प्रबन्ध विभाग देखैत अछि ।[१]

शिक्षा[सम्पादन करी]

सिन्हा मुम्बई विश्वविद्यालय सँ लोक प्रशासनमे स्नातकोत्तर केनए अछि आ ओ इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ बैंकर्सक एक प्रमाणित सहयोगी सेहो छी ।[१]

करियर[सम्पादन करी]

ओ सन् १९८२ मे रिजर्व बैंकमे शामिल भेल आ विनियमन आ पर्यवेक्षण, विदेशी मुद्रा आ सरकारी तथा बैंक लेखाक क्षेत्रमे कार्य केनए छल । कार्यपालक निर्देशकक रूपमे पदोन्नत होमए सँ पहिने, श्रीमती सिन्हा रिजर्भ बैंकक सहकारी बैंकिङ्ग पर्यवेक्षण विभागमे प्रधान मुख्य महाप्रबन्धक छल ।[१]

सन्दर्भ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "रिज़र्व बैंक ने श्रीमती मालविका सिन्हा को नए कार्यपालक निदेशक के रूप में नियुक्त किया" (वैबसाइट)। भारतीय रिज़र्व बैंक।