स्तन एट्रोफी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्तन एट्रोफी
Breast atrophy
१५हम शताब्दीक मूर्ति

स्तन एट्रोफी महिलासभमे पाएल जाएवाला ओ स्तन रोग छी जहिमे स्तनसभक सङ्कोचन भ जाएत अछि । [१]ई खास कऽ रजोनिवृत्तिक समय महिलासभमे होएत अछि जखन एस्ट्रोजेनक स्तरमे कमी आबि जाएत अछि । ई समस्या हाइपोएस्ट्रोजेनिस्म या हाइपरएन्डरोजेनिस्मक कारण सेहो पाएल जाएत अछि, जकर मुख्य कारण शरीरक तौल बढ़नाए होएत अछि ।[२] तन्तुक नोकसान एनोरेक्सिया नर्भोसा आ सर्जिकल नसबन्दी सँ सेहो होएत अछि, जकर कारण स्तनसभक सङ्कोचन भऽ जाएत अछि । [३]

शरीरक भागसभक आंशिक या पूर्ण रूप सँ नष्ट होनाए एट्रोफी कहलाबैत अछि । ई समस्या मानव जीवनमे उत्परिवर्तन (जे अङ्ग बनाबऽ कऽ लेल जीनकें नष्ट करि सकैत अछि), खराब पोषण, खराब परिसञ्चरण, हार्मोनल विकाशमे कमी, लक्षित अङ्गक तन्त्रिका आपूर्तिक नोकसान, कोषिकासभमे एपोप्टोसिसक अत्यधिक मात्रा, आ कम व्यायाम या क्यान्सर रोगक कारण पाएल जाएत अछि ।[४] आम भाषामे मांसपेशीसभक विकास स्थितिमे कमी एट्रोफी कहलाबैत अछि । ई शारीरक कोनो भी कोषिका, अङ्ग या तन्तुमे भऽ सकैत अछि । शरीरक जहि अङ्गमे ई समस्या उत्पन्न होएत अछि ओ अङ्ग, तन्तु या कोषिकाक सङ्कोचन भऽ जाएत अछि । स्तन एट्रोफी तन्तुक सङ्कोचनक कारण उत्पन्न भेल रोग छी, जे महिलासभ आ पुरुषसभकें प्रभावित करैत अछि । ई रोग अधिकतर महिलासभमे देखल जाएत अछि ।[५]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Prem Puri; Michael E. Höllwarth (28 May 2009). Pediatric Surgery: Diagnosis and Management. Springer Science & Business Media. pp. 257–258. ISBN 978-3-540-69560-8.
  2. Ricardo Azziz (3 July 2007). The Polycystic Ovary Syndrome: Current Concepts on Pathogenesis and Clinical Care
  3. Melvin A. Shiffman (24 December 2009). Mastopexy and Breast Reduction: Principles and Practice. Springer Science & Business Media. pp. 42–. ISBN 978-3-540-89873-3.
  4. Kristen A. Atkins; Christina Kong (29 October 2012). Practical Breast Pathology: A Diagnostic Approach: A Volume in the Pattern Recognition Series. Elsevier Health Sciences. pp. 67–. ISBN 1-4557-3340-7.
  5. Julia A. McMillan; Ralph D. Feigin; Catherine DeAngelis; M. Douglas Jones (2006). Oski's Pediatrics: Principles & Practice. Lippincott Williams & Wilkins. pp. 558–. ISBN 978-0-7817-3894-1.