होमा सर्शार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
होमा सर्शार
Homa Sarshar
जन्म१९४६
शिराज, इरान
भाषाअङ्ग्रेजी, फारसी
राष्ट्रियताइरानी, अमेरिकन
शिक्षामानक पिएचडी
मातृसंस्थाअमेरिकी विश्वविद्यालय, दक्षिणी क्यालिफोर्निया विश्वविद्यालय, तेहरान विश्वविद्यालय
Website
homasarshar.com

होमा सर्शार (फारसी: هما سرشار‎‎; जन्म १९४६) एक इरानी-अमेरिकी लेखक, कार्यकर्ता, नारीवादी आ पत्रकार छी। ओ सन् १९६४ आ सन् १९७८ कऽ बीच जान-ए-रुज पत्रिका आ काहान दैनिक समाचार पत्रक लेल एक स्तम्भकार छल। ओ बादमे संयुक्त राज्य अमेरिका चलि गेल आ सन् १९७८ मे इरानी क्रान्ति सँ एक वर्ष पहिने लस एन्जलसमे बसोबास आरम्भ केनए छल ।[१][२]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

सर्शारक जन्म शिराज, इरानमे सन् १९४६ मे एक यहूदी परिवारमे भेल छल मुदा हुनकर पालन-पोषण तेहरानमे भेल छल। प्रारम्भिक अध्ययन तेहरानक सरकारी विद्यालयमे केलाक बाद ओ उच्च शिक्षाक लेल तेहरान विश्वविद्यालय सँ फ्रेञ्च साहित्यक अध्ययन केलक आ बादमे एनबर्ग स्कूल अफ कम्युनिकेसन्स, दक्षिणी क्यालिफोर्निया विश्वविद्यालय सँ पत्रकारितामे एमए केलक आ ओकर बाद अमेरिकी वर्ल्ड विश्वविद्यालयकें कलेज अफ लेटर्स एण्ड साइन्स सँ पत्रकारिता विषयमे विद्यावारिधिकें डिग्री प्राप्त केनए छल।

होमा सर्शारकें एक शसक्त पत्रकार आ लेखिका छी जकरा अपन कामक लेल कयन पुरस्कार प्राप्त भेल अछि, जहिमे इरानक तेहरानमे रहल इरानी महिला सङ्गठनद्वारा देल गेल महिला अधिकारक लेल विशेष पदक शामिल अछि तहिना एनसाइक्लोपिडिया इरानिकाद्वारा देल गेल प्रतिष्ठित इरानी महिला पत्रकारिता पुरस्कार, लस एञ्जलसक काउन्टीद्वारा सामुदायिक मामलाक सेवासभक लेल प्रशंसा आ सन् २०१३ मे एलिस द्वीप पदकक सम्मान शामिल अछि।

सन् १९८८ सँ ओ अपना आपकें लेखिकाक रुपमे स्थापित करऽमे सफल भेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Homa Sarshar"। अन्तिम पहुँच 2014-07-08
  2. Sullivan, Zohreh (2010). Exiled Memories: Stories of Iranian Diaspora. Temple University Press. प॰ 84. आइएसबिएन 978-1-4399-0641-5. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]