अनिता अग्सपर्ग
अनिता अग्सपर्ग Anita Augspurg | |
---|---|
![]() अनिता अग्सपर्ग | |
जन्म | २२ सितम्बर १८५७ वर्डन, जर्मनी |
मृत्यु | २० दिसम्बर १९४३ ज्युरिक, स्विट्जरल्यान्ड |
पेशा | अभिनेत्री, वकील, लेखक |
राष्ट्रियता | जर्मन |
विषय | नारीवाद |
उल्लेखनीय कामसभ | "ओपन लेटर", १९०५ |
साथी | लिडा गुस्ताभ हेमन |
अनिता अग्सपर्ग (२२ सितम्बर १८५७ वर्डन ए डेर एलेर – २० दिसम्बर १९४३ ज्युरिक) एक जर्मन न्यायविद्, अभिनेत्री, लेखक, कट्टरपन्थी नारीवादी आन्दोलनक कार्यकर्ता आ शान्तिवादी छल।
जीवनी[सम्पादन करी]
एकटा वकीलक पुत्री भेलाक कारण अग्सपर्ग पूर्ण रुप सँ परिपक्व नै भेला धरि अपन पिताक कानूनी कार्यालयमे काज करैत छल। ओ शिक्षिका बनवाक लेल महिला कौलेज सँ शिक्षिका पाठ्यक्रम प्रशिक्षण केलक आ सङ्गे अभिनयकें कक्षा सेहो केनए छल। सन् १८८१ सँ सन् १८८२ मे ओ मेइनिङ्गेन एन्सेम्बलक प्रशिक्षार्थीक रुपमे जर्मनी, नेदरल्याण्ड आ लिथुआनियामे भेल साङ्गितिक यात्रा कार्यक्रममे भाग लेनए छल। सन् १८८७ मे हुनकर नानीक मृत्यु भेलाक बाद, हुनकाद्वारा अगस्पर्गक नाम पर काफी सम्पति छोड़लक जहि कारण अगस्पर्ग आर्थिक रुप सँ स्वतन्त्र भऽ सकल।