अन्तर्राष्ट्रिय आर्थिक कोष

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

अन्तर्राष्ट्रीय आर्थिक कोष
आई.एम.एफ सदस्य देश हरियर रंगमे
आई.एम.एफ सदस्य देश हरियर रंगमे
मुख्यालयवाशिंगटन डी.सी., संयुक्त राज्य
स्थापनाजुलाई, १९४४
प्रबन्ध निदेशकक्रिस्टीन लेगार्ड
मुद्राविशिष्ट ड्रइंग अधिकार
XDR (ISO 4217)
बैङ्क दर३.४९% एस.डी.आरक लेल [१]
वेबसाइटwww.imf.org

अन्तरराष्ट्रिय आर्थिक निधि (अङ्ग्रेजी:इंटरनेशनल मनीटरी फंड, लघुरूप:आईएमएफ) एकटा अन्तरराष्ट्रिय संस्था छी, जे एकर सदस्य देशसभक वैश्विक आर्थिक स्थितिउपर नजर राख काम करैत अछि। ई अपन सदस्य देशसभके आर्थिक आ प्रविधी सहायता देएत अछि। ई संगठन अन्तर्राष्ट्रिय विनिमय दरके स्थिर राखैके साथ-साथ विकास कार्यके सुगम बनावैएल सहायता करैत अछि। [२] एकर मुख्यालय वांशिगटन डी.सी, संयुक्त राज्यमे अछि। ई संगठनक प्रबन्ध निदेशक डामनिक स्ट्रस अछि। आईएमएफके विशेष मुद्रा एसडीआर (स्पेशल ड्राइंग राइट्स) अछि। अन्तरराष्ट्रिय व्यापार आ वित्तक निम्ति कुछ देशसभक मुद्राक प्रयोग करैत अछि, एकरा एसडीआर कहैत अछि। एसडीआरमे यूरो, पाउण्ड, येनडलर परैत अछि। आईएमएफक स्थापना १९४४मे भेल अछि । विभिन्न देशसभक सरकारक ४५ प्रतिनिधिसभ अमेरिकाक ब्रिटेन बुडसमे बैठक करै अन्तरराष्ट्रिय आर्थिक समझोताक रूपरेखा तयार केलक। २७ दिसम्बर १९४५ कऽ दिन २९ देशसभ समझोतामे हस्ताक्षर केलावाद आईएमएफक स्थापना भेल ।

वाशिंगटन डी.सी.मे मुख्यालय

आईएमएफ कऽ कुल १८६ सदस्य देश अछि। २९ जून २००९मे कोसोवो गणराज्य १८६अम देशक रूपमे सामेल भेल ।[३][४] आईएमएफक उद्देश्य आर्थिक स्थिरता सुरक्षित करव, आर्थिक प्रगतिके बढावा देएत अछि, गरीबी कम करैत अछि, रोजगारके बढावैत अछि आ अन्तरराष्ट्रिय व्यापार सुविधाजनक बनावैत अछि । सदस्य देशसभक संख्या बढवैके साथ वैश्विक अर्थ-व्यवस्थामे आईएमएफक कार्य बहुत बढ़वैत अछि।

कोनो भी देश आईएमएफक सदस्यताक लेल आवेदन करै सकैत अछि । सर्वप्रथम ई आवेदन आईएमएफक कार्यपालक बोर्डद्वारा विचाराधीन पठावैत अछि। ओकरवाद एग्जीक्यूटिव बोर्ड, बोर्ड अफ गर्वनेसके हुनका स्वीकृतिक निम्ति पठावैत अछि। स्वीकृत भेलवाद सदस्यता प्राप्त होएत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. महिनामारी विनिमय दर अभिलेख
  2. सुलिवान, आर्थर; स्टीवन एम शेफ्रिन (२००३). इकनोमिक्स: प्रिंसिपल्स इन ऐक्शन. अपर सैडल रिवर, न्यू जर्सी 07458: पियरसन प्रेन्टिस हल. pp. ४८८. आइएसबिएन 0-13-063085-3. Archived from the original on 2016-12-20. https://web.archive.org/web/20161220014709/https://www.savvas.com/index.cfm?locator=PSZu4y&PMDbSiteId=2781&PMDbSolutionId=6724&PMDbSubSolutionId=&PMDbCategoryId=815&PMDbSubCategoryId=24843&PMDbSubjectAreaId=&PMDbProgramId=23061. अन्तिम पहुँच तिथि: 2021-02-25. 
  3. स्टाफ रिपोर्ट्स्र (२९ जून, २००६)। "कोसोवो गणराज्य अब आई.एम.एफ आ विश्व बैंकक आधिकारिक सदस्य छी"। द कोसोवो टाइम्स। अन्तिम पहुँच २९ जून, २००६Kosovo signed the Articles of Agreement of the International Monetary Fund (IMF) and the International Bank for Reconstruction and Development (the World Bank) on behalf of Kosovo at the State Department in Washington. {{cite web}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); Italic or bold markup not allowed in: |publisher= (help)
  4. "कोसोवो आई.एम.एफक १८६अम सदस्य बन्ल" (Press release)। आई.एम.एफ। २९ जून, २००६। अन्तिम पहुँच २९ जून, २००६ {{cite press release}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]