अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति
| आदर्श वाक्य | तेज, उच्च, मजबूत (फ्रान्सेली: Citius, Altius, Fortius) |
|---|---|
| स्थापना | २३ जुन १८९४ |
| प्रकार | खेल महासङ्घ |
| मुख्यालय | लुसाने, स्विजरल्यान्ड |
सदस्यता | २०५ राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिसभ |
आधिकारिक भाषा | फ्रान्सेली आ अङ्ग्रेजी |
मानद अध्यक्ष | ज्याक्स रोगे |
अध्यक्ष | ठोमस बाच |
उपाध्यक्ष | यु ज्याकिङ जुआन एन्टोनियो समरञ्च स्यालिसिस उगुर एर्डनर अनिता डिनफ्रन्टज |
| वेबसाइट | www.Olympic.org |
अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) (अङ्ग्रेजी: International Olympic Committee (IOC); फ्रान्सेली: Comité international olympique (CIO)) एक अन्तर्राष्ट्रिय समिति छी जाकार मुख्यालय स्विजरल्यान्डक लाजेनमे अवस्थित अछि। एकर स्थापना पियरे डे कोबेर्टिनद्वारा २३ जुन १८९४ कऽ कएल गेल छल तथा युनानी व्यापारी देमित्रिस विकेलस एकर प्रथम अध्यक्ष बनल छल। वर्तमान समयमे विश्वक कुल २०५ राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिसभ (एनओसी) एकर सदस्य अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]आइओसीक स्थापना पियरे डे कोबेर्टिनद्वारा २३ जुन १८९४ कऽ कएल गेल छल तथा युनानी व्यापारी देमित्रिस विकेलस एकर प्रथम अध्यक्ष बनल छल। जुन २०१७ धरि, एकर सदस्यतामे ९५ सक्रिय सदस्य, ४१ मानद सदस्य, एक मानद अध्यक्ष (ज्याक्स रोगे) आ एक सम्मान सदस्य (हेनरी किसिञ्जर) शामिल अछि। आइओसी दुनियाभरिमे आधुनिक ओलम्पिक आन्दोलनक सर्वोच्च शासी निकाय अछि। आइओसी हरेक चारि वर्षमे ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेल, शीतकालीन ओलम्पिक खेल आ युवा ओलम्पिक खेलक आयोजन करैत अछि। आइओसीद्वारा आयोजित पहिल ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक १८९६ मे ग्रीसक एथेन्स आ पहिल शीतकालीन ओलम्पिक १९२४ मे फ्रान्सक चेमोनिक्समे आयोजित केनए छल। सन् १९९२ धरि ग्रीष्मकालीन आ शीतकालीन ओलम्पिक दुनू एके वर्ष आयोजित कएल जाएत छल।
लक्ष्य और भूमिका
[सम्पादन करी]अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिकें मुख्य कार्य ओलम्पिक आन्दोलनकें बढ़ावा देनाए आ ओलम्पिक आन्दोलनक नेतृत्व करनाए अछि ।[१]
सन्दर्भ सूची
[सम्पादन करी]- ↑ "Chapter 2: Mission and Role of the IOC", Olympic Charter, IOC, ८ जुलाई २०११, पृ: 14–15, अन्तिम पहुँच २९ जुलाई २०१२।