अन्तर्राष्ट्रिय हवाई यातायात सङ्गठन विमानस्थल कोड

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
A baggage tag for a flight heading to Oral Ak Zhol Airport, whose IATA airport code is URA.


अन्तर्राष्ट्रिय हवाई यातायात सङ्गठन विमानस्थल कोडके आइएटिए स्थान पहिचानकर्ता, आइएटिए स्टेसन कोड वा मात्र स्थान पहिचानकर्ताक नाम सँ जानल जाएत अछि ।[१] ई एकटा तीन अक्षरक कोड छी जेकर प्रयोग विश्वक सब नियुक्त विमानस्थलसभक लेल कएल जाएत अछि । ई कोड अन्तर्राष्ट्रिय हवाई यातायात सङ्घ (आइएटिए)द्वारा निर्धारित कएल गेल रहैत अछि । ई चिन्हसभक उपयुक्त उदाहरण विमानस्थलक प्रवेश जाँच डेस्कमे देखल जा सकैत अछि, जते सामानमे लगाएल ब्यागेज ट्यागमे ई चिह्न स्पष्ट रूप सँ अङ्कित रहैत अछि ।

ई कोड आइएटिएक प्रस्ताव-७६३ द्वारा निर्धारित कएल जाएत अछि ।[२] एकर प्रबन्धन मोन्ट्रियल स्थित आइएटिए मुख्यालय करैत अछि । ई सङ्केतसभके वर्षमे दुई बेर आइएटिए एयरलाइन कोड निर्देशिका (कोडिङ्ग डायरेक्ट्री)मे प्रकाशित कएल जाएत अछि ।[३] आइएटिए ई कोड रेलवे स्टेशनसभक लेल सेहो जारी करैत अछि ।

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सूची[सम्पादन करी]

इतिहास आ सम्मेलन[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]