अर्जुन प्रसाद गुप्ता 'दर्दिला'
दिखावट
अर्जुन प्रसाद गुप्ता | |
---|---|
जन्म | लहान, सिरहा |
राष्ट्रियता | नेपाली |
प्रसिद्धि कारण | गीत |
अर्जुन प्रसाद गुप्ता अप्पन साहित्यिक नाम अर्जुन प्रसाद गुप्ता दर्दिलाक नाम सँ सेहो जानल जाएवला एक मैथिली भाषाक गीतकार छी। हिनकर जन्म वि.सं. २०१९ कात्तिक ७ गते लहानक गुदिगाममे भेल छल। दर्दिला विद्यापति पाण्डुलिपी पुरस्कारसँ सम्मानित भेल अछि। मैथिली भाषाक अभियानसँ सेहो हिनका जानल जाइत अछि।[१]
कृतिसभ
[सम्पादन करी]- अखनो अन्हार लागैय (मैथिली कविता सङ्ग्रह) हिनक पहिल कृति
- दरद (मैथिली गीत सङ्ग्रह)[२]
सम्मान
[सम्पादन करी]दर्दिलाद्वारा लिखित साहित्यिक कृति 'दरद' केर वि.सं. २०७८ कऽ नेपाल विद्यापति पाण्डुलिपी पुरस्कार प्राप्त भेल छल। साहित्यकार दर्दिला एखन धरि ५२ टासँ बेसी गीतसभ विमोचित कऽ चुकल अछि।[३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "विद्यापति पुरस्कार पाउने पाँच जना स्रष्टाहरुको नाम सार्वजनिक" [विद्यापति पुरस्कार पौनिहार पाँच गोटे स्रष्टासभक नाम सार्वजनिक], मधेश स्पेशल साप्ताहिक पत्रिका (नेपालीमे), मूलसँ २०२३-०४-२९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०४-२९।
- ↑ मधुशाला, नारायण (२०२३-०४-२४), "दरद - अर्जुन प्रसाद गुप्ताके गीत संग्रह सार्वजनिक", आई लभ मिथिला (मैथिलीमे), अन्तिम पहुँच २०२३-०४-२९।
- ↑ "Music Maithili", म्युजिक मैथिली (मैथिलीमे), अन्तिम पहुँच २०२३-०४-२९।