सामग्री पर जाएँ

अली खामेनी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अली खामेनी

आयतोल्लाह सय्यद अली हुसैन खामेनी(फारसी: آیت‌الله سید علی حسینی خامنه‌ای; फारसी उच्चारण: /ɒːjætollɒːh sejjed ʔæˈliː hosejˈniː xɒːmeneˈʔiː/) (जन्म १७ जुलई १९३९, मशहद, ईरान) ओ ईरानक सर्वोच्च नेता छी। सन् १९८१ सँ १९८९ धरि ओ ईरानक राष्ट्रपति छल।

प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा

[सम्पादन करी]
किशोर अवस्थामे खामेनी

वरिष्ठ नेता आयतोल्लाह सय्यद अली हुसैन खामेनीक जन्म सन् १९३९ मे ईरानक पवित्र नगर मशहदक एक धार्मिक परिवारमे भेल छल । हुनकर बाबुजी हाज सैयद जवाद खामेनेइ मशहदक वरिष्ठ धर्म गुरु सभ मे सँ एक छल मुद्दा हुनकर माता एक प्रसिद्ध धर्म गुरु हुज्जतुलइस्लाम सैयद हाशिम नजफाबादी के सुपुत्री छल ।










साहित्यिक छात्रवृत्ति

[सम्पादन करी]

खामेनी अपन मातृ भाषा फारसी आ अजरबैजान छोडि के अरबी भाषामे सेहो वरिष्ठ छल ।[] ओ बहुतरास पुस्तकसभ अरबी भाषासँ फारसीमे अनुवाद केनेए अछि जाहिमे मिश्रक प्रख्यात विचारक सय्यिद क्युटबक कार्यसभ सेहो पनि पडैत् अछि । ओ अजरबैजानी बाजैत अछि जे हुनकर बाबुजी के मातृ भाषा छी ।[][]




राजनीतिक जीवन आ राष्ट्रपतिक पद

[सम्पादन करी]

अली खामेनी इरानमे इरानी क्रान्ति मे एक प्रमुख पात्र छी आ रुहोल्लाह खामेनेइ के नजदिक के विश्वासिलो पात्र सेहो छल | सन् १९७९ मे तेहरानमे कएल गेल शुक्रवार प्रार्थना इमाम के पोस्ट करबाक लेल खामेनी नियुक्त कएलाक पश्चात उक्त पोस्ट सँ हुसैन-अलि मोन्टजेरी राजीनामा देबाक लेल बाध्य भऽ गेल।

खामेनेइ तेहरानमे कएल गेल शुक्रवार प्रार्थना इमाम १९७९ मे

सन् १९८१ मे, मोहम्मद-अली रजाई के हत्या पश्चात खामेनेइ इरानक राष्ट्रपति चयनित भेल, ओ ९७% हासिल केलक तँ चारिटा उम्मेदवार अभिभावकसभक परिषद द्वारा अनुमोदित छल । जुन अक्टोबर १९८१ मे निर्वाचन भेल छल । खामेनेइ कार्यालय सेवा करए वाला पादरी भेल । रूहोल्लाह खोमेनि एकरा मूल राष्ट्रपति पदसँ बाहर रख चाहै छल मुद्दा बादमे हुनकर विचार परिवर्तन भेल । अली खामेनेइ अपन

राष्ट्रपति पद भार ग्रहण समारोहमे वाचा केने छल जे "विचलन, औदार्य आ अमेरिकी-प्रभावित दक्षिणपन्थी" हटाएब कहि के ।[]




सर्वोच्च नेता

[सम्पादन करी]

अली खामेनी, रुहोल्लाह खोमेइनी मृत्यु पश्चात इरानी क्रान्ति के नेता होए मे सफल आ ४ जुन, १९८९ मे विशेषज्ञ के विधानसभा द्वारा नयाँ सर्वोच्च नेताक रूपमे निर्वाचित भेल। सुरुमे तीन सदस्य अली मेश्किनी, मौसावी अर्देबिली आ खामेनेइ एक परिषद, नेतृत्व के लेल प्रस्तावित छल। विधानसभा एक नेतृत्व परिषद के विचार अस्वीकार केला के पश्चात (खामेनेइ आ राफसन्जनी दुनु गोटे एक परिषद समर्थन छल) आ महान आयातोल्लाह मोहम्मद-रेजा गोङ्ल्पायगानीके ७४ सदस्य उपस्थित छल आ ६० सदस्यसभ खामेनेइ निर्वाचित नेता छल तँ बाहर १४ भोट मात्रै खसल छल। []



सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Khamenei sermon in Arabic", Irannegah.com, १८ जून २००९ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १९ जून २००९  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "Khamenei speaking Azeri about poetry", Irannegah, अन्तिम पहुँच १९ जून २००९ 
  3. Khamenei, Ali. "The History of Palestine and Its Occupation", Tehran Friday prayer sermons, 18 December 1999. Published 4 March 2008, Khamenei.ir – the Supreme Leader Seyed Ali Khamenei's official website. Retrieved 6 April 2009
  4. "Reading Khamenei by Karim Sadjadpour" (PDF), carnegieendowment.org, मूलसँ २०१९-१०-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-११-०२ 
  5. "ईरानका सर्वोच्च नेता", मूलसँ २०१३-०६-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-११-०२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]
अफिसियल वेबसाइट