अन्तर्राष्ट्रिय ध्वन्यात्मक लिपि

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(आइपिएसँ पुनर्निर्देशित)

अन्तर्राष्ट्रिय ध्वन्यात्मक लिपि (अ॰ध॰व॰, अङ्ग्रेजी: International Phonetic Alphabet, इन्टरनेसनल फनेटिक एल्फाबेट) एक एहन लिपि छी जाहिने विश्वक सब भाषासभक ध्वनिसभ लिखल जा सकैत अछि । एकर हर अक्षर आ हरेक ध्वनिक एक-सँ-एकके सम्बन्ध होइत अछि । आरम्भमे एकर अधिकतर अक्षर रोमन लिपि सँ लेल गेल छल, मुदा जेना-जेना एहिमे विश्वक बहुतेक भाषासभक ध्वनिसभ जोडल जाए लागल तँ बहुत सँ युनानी लिपि सँ प्रेरित अक्षर लेल गेल आ बहुतेक बिलकुले नव अक्षरसभक निर्माण कएल गेल । एहिमे सन् २०१० धरि १६० सँ अधिक ध्वनिसभक लेल चिह्न दर्ज कएल जा चुकल अछि, मुदा कोनो भी एक भाषाके दर्शाबैक लेल ई वर्णमालाक एक भागक मात्र जरुरत होइत अछि ।

ई प्रणालीके ध्वन्यात्मक प्रतिलेखन (ट्रान्सक्रिप्सन)मे सूक्ष्म प्रतिलेखन [ ] क चिन्हसभक बीचमे आ स्थूल प्रतिलेखन / / क चिन्हसभक भितर लिखल जाइत अछि । एकर नियामक अन्तर्राष्ट्रिय ध्वन्यात्मक सङ्घ छी । उदाहरणक लेल:

  • अङ्ग्रेजी: This is a webpage of wikipedia. I am writing it.
  • अ॰ध॰व॰ लिप्यान्तरण: /'δɪs ɪz ə 'wɛbpeidʒ ʌv wɪkɪ'piːdiə . 'ai æm 'ʁaitiŋ ɪt./
  • मैथिली उच्चारण: दिस् इज् अ वेब्पेज् अव् विकिपीडिआ । आइ ऐम् राइटिङ्ग् इट् ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]