लिपि
Jump to navigation
Jump to search

विश्वक लिपिसभक मानचित्र
ल्याटिन (अल्फाबेटिक)
सिरिलिक लिपि (अल्फाबेटिक)
हङ्गुल (featural alphabetic)
अन्य अल्फाबेटिक
अरबी लिपि (abjad)
अन्य abjads
देवनागरी (abugida)
अन्य abugidas
शब्द-चिह्न (चीनी अक्षर / logographic)
लिपि या लेखन प्रणालीक अर्थ होइत अछि कोनो भी भाषाक लिखावट या लिखैक ढङ्ग। लिपि आ भाषा दुई अलग अलग चीज होइत अछि । भाषा ओ चीज होइत अछि जे बोलल जाइत अछि, लिखाईके तँ कोनो भी लिपिमे लिख सकैत छी । कोनो एक भाषाक ओकर सामान्य लिपि सँ दोसर लिपिमे लिखनाए, ओहि तरहक वास्तविक अनुवाद नै भेल होए, ओकरा लिप्यन्तरण कहल जाइत अछि ।[१]
यद्यपि संसार भरिमे प्रयोग भ रहल भाषासभक सङ्ख्या अखनो हजार सँ बेसी अछि, तथापि अखन ई भाषासभ लिखैक लेल मात्र लगभग दुई दर्जन लिपिसभक मात्र प्रयोग भ रहल अछि । आर गहराईमे पहुचला पर पता चलैत अछि कि संसारमे मात्र तीन प्रकारक मूल लिपिसभ (या लिपि परिवार) अछि-
- चित्रलिपि (ideographic scripts) - चीन, जापान आ दक्षिण कोरियामे प्रयुक्त लिपिसभ,
- ब्राह्मी सँ व्युत्पन्न लिपिसभ - देवनागरी तथा दक्षिण एसिया आ दक्षिण-पूर्व एसियामे प्रयुक्त लिपिसभ ; तथा
- फोनेसियन (Phonecian) सँ व्युत्पन्न लिपिसभ - सम्प्रति युरोप, मध्य एसिया आ उत्तरी अफ्रिकामे प्रयुक्त लिपिसभ
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Definitions of writing systems", Omniglot: The Online Encyclopedia of Writing Systems and Languages, www.omniglot.com, अभिगमन तिथि २०१३-०६-२९।