आकृति:मुख्य लेख

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search

प्रमुख लेख

मैथिली विकिपिडियाक मुख्य पन्नामे भेल मुख्य लेख मासिक रुपमे स्तरीय लेखसभसँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे अखन धरि १३,३८४ लेखसभ अछि जहिमे सँ ई बरखक लेल चुनल गेल मुख्य लेखक सूची एतय देखी । ई विकिपिडियामे रहल कोनो लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जाएक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि वा अहाँ कोनो किसिमक समस्या देखलिए तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देवाक लेल अनुरोध करैत छी ।

दरवार साहिब

श्री हरिमन्दिर साहिब (पञ्जाबी भाषा: ਹਰਿਮੰਦਰ ਸਾਹਿਬ; हरिमन्दर साहिब, हरमन्दिर साहिब), जेकरा दरबार साहिब या स्वर्ण मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि सिख धर्मावलम्बिसभक पावनतम धार्मिक स्थल या सबसँ प्रमुख गुरुद्वारा छी । ई भारतक राज्य पञ्जाबक अमृतसर सहरमे स्थित अछि आर एतय के सबसँ बडका आकर्षण छी ।

पुरा अमृतसर सहर स्वर्ण मन्दिरक चारो दिस बसल अछि । स्वर्ण मन्दिरमे प्रतिदिन हजारो श्रद्धालु आर पर्यटक आबैत अछि । अमृतसरक नाम वास्तवमे ओ सरोवरक नाम पर रखाल गेल अछि जेकर निर्माण गुरु राम दास स्वयम अपन हाथ सँ केने छल । ई गुरुद्वारा एहि सरोवरक बिचोबिच स्थित अछि । एहि गुरुद्वारेक बाहरी हिस्सा सोनाक बनल अछि, एहि लेल एकरा स्वर्ण मन्दिर आ गोल्डन टेम्पलक नाम सँ सेहो जानल जाएत अछि । श्री हरिमन्दिर साहिबक दरबार साहिब क नाम सँ सेहो ख्याति हासिल अछि । ओना त ई सिखक गुरुद्वारा छी, मुदा एकर नाममे मन्दिर शब्दक जोडनाए ई स्पष्ट करैत अछि की भारतमे सब धर्मक एक समान मानल जाएत अछि ।

(पूरा लेख...)