आशीष चमन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

आशीष चमन आशीष चमन

मूल नाम- आशीष कुमार मिश्र

पिता-श्री सच्चिदान्‍द मिश्र अधिवक्‍ता

जन्‍मतिथि-7 जनवरी 1973 टीचर्स क्‍वाटर, जिला गर्ल्‍स हाइ स्‍कूल सहर्षा।

योग्‍यता- बी.ए. (प्रतिष्‍ठा)

राजनैतिक कार्य कलाप- प्रारम्‍भ मे S.F.I के संयुक्‍त सचिव, पुन: अ.भा.वि.प. के कार्यालय एवं बौद्धिक प्रमुख, विहिप के नगर मन्‍त्री, पश्‍चात् राजनीतिसँ मोहभंग।

सामाजिका सांस्‍कृतिक गतिविधि- सांस्‍कृतिक चेतना समिति के संस्‍थापक सचिव आ एहि बैनर सँ प्रायः- दुइ दशक बाद सुपौल मे विद्यापति पर्व समारोहक संचालन, प्रलेस के जिला सचिव, विप्‍लव फांउडेशन के सचिव आ एहि बैनर के तत्‍वावधान मे नागार्जुन जयंती, सगर राति दीप जरय के आयोजन।

वृति:— कौलिक दबाइ व्‍यवसायक सफल संचालन किन्‍तु आपसी कलह के कारण निष्कासन, पुन: जीविका हेतु अनेक जगह छिछियाएब आ पूर्णत: द्ररिद्र बनलाक बाद लघु उद्यम सँ पारिवारिक पोषण ।

लेखन: 1984 सँ सक्रिय आरंभ मे कविता बाद मे हिन्दी कहानी लेखन आ परती पलार संवदिया आदि मे प्रकाशित पुन: मैथिली मे लेखन आ भारती मंडल मिथिला चेतना, घर बाहर, कर्णामृत प्रवासी मैथिल, अंतिका आदि अनेक पत्रिका सभ मे प्रकाशित

वर्तमान पता:-द्वारा सच्चिदानन्‍द मिश्र अधिवक्‍ता चकला निर्मली सुपौल जिला-सुपौल बिहार