आस्मा जहाँगीर
आस्मा जिलानी जहाँगीर | |
---|---|
![]() फोर फ्रीडम्स अवार्ड विजेता अस्मा जहाँगीर ੨੦੧੦ | |
सुप्रीम कोर्ट बार एसोसिएशन | |
Taking office २७ अक्टूबर २०१० | |
राष्ट्रपति | आसिफ अली जरदारी |
प्रधानमन्त्री | राजा परवेज अशरफ |
Succeeding | काजी अनवर |
पाकिस्तान मानवअधिकार आयोग चेयरपर्सन | |
कार्यकाल १९८७ – बहालवाला | |
व्यक्तिगत विवरण | |
जन्म | आस्मा जीलानी २७ जनवरी १९५२ लाहौर, पञ्जाब, पश्चिमी पाकिस्तान |
मृत्यु | लाहौर |
राष्ट्रियता | पाकिस्तानी |
बालबच्चा(सभ) | १ पुत्र, २ पुत्री |
निवास | इस्लामावाद, इस्लामावाद Capital Territory (आइसीटी) |
मातृ शिक्षाप्रतिष्ठान | पञ्जाब युनिभर्सिटी (कानूनक डिग्री (एलएलबी)) किन्नाइर्ड कलेज (बी ए ) सेन्ट ग्यालेन युनिभर्सिटी (जेएसडी) |
व्यवसाय | सुप्रीम कोर्ट बार एसोसीएशन प्रधान |
व्यवसाय | वकील आ मानव अधिकार कर्मचारी |
आस्मा जहाँगीर (उर्दू: عاصمہ جہانگیر २७ जनवरी १९५२ – ११ फरवरी २०१८) पाकिस्तानी मानवाधिकार कार्यकर्ता, वकील आ पाकिस्तानी मानवअधिकार आयोगक संस्थापक आ प्रथम अध्यक्ष छल।[१][२] ओ पाकिस्तानक सुप्रीम कोर्टमे कार्यरत छल। आस्मा हाशीसभ पर पडल बेबस लोगसभक लेल आवाज बुलन्द करवाक लेल जानल जाइत छल। ओ समाजसेविका छल आ मुख्यतः अल्पसंख्यक समुदाय आ महिलासभक लेल कार्य करैत छल।
ओ पहिल सयुंक्त राष्ट्रक " आस्थाक स्वतन्त्रता " पर अगस्त २००४ वाचिका छल (पहिने मानवअधिकार संघ तथा बादमे मानवअधिकार आयोग)। मृत्यसँ पहिने ओ पाकिस्तानक मानवअधिकार आयोगक अध्यक्ष छल।
आस्माक दुनिया भरि के तमाम मञ्चसभ पर बाजय के लेल बजाएल जाइत छल। पाकिस्तानमे ओ ओसभक गिनल-चुनल आवाजसभमे सँ एक छल जे खुला रुपसँ पर सैन्य शासन आ सरकारक भ्रष्टाचारक विरुद्ध बाजैत छल।
प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]
आस्मा जहाँगीरक जन्म १९५२ मे लाहौरमे एक सम्पन्न परिवारमे भेल, जे मानवअधिकार क्षेत्रमे अधिक सक्रिय छल। हुनकर पिता मालिक जिलानी एक सरकारी कर्मचारी छल, जे बादमे राजनीतिमे आएल आ सैनिक तानाशाहीक विरोध करैत जेल सेहो गेल छल। ओ अनेकौं बेर बेबाकीसँ पाकिस्तानी सेनाद्वारा पूर्वी पाकिस्तान (वर्तमानमे बाङ्गलादेश)मे कएल गेल नरसंहारक विरोध केलक। हुनकर माता सह-शिक्षाद्वारा सञ्चालित महाविद्यालयमे ओ समय शिक्षा लेलक जखन अनेकौं महिलासभ शिक्षासँ वञ्चित छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "पाकिस्तान: मानवअधिकार कार्यकर्ता आसमा जहाँगीर नै रहील", बीबीसी हिन्दी, ११ फ़रवरी २०१८।
- ↑ बारेठ, नारायण (२०१०-०१-२३), "BBC Hindi - भारत - लेखकों के बीच भी आईपीएल की चर्चा" (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०२-१२।