उत्तरी गोलार्द्ध
पठन सेटिंग्स
निर्देशाङ्क: ४५°०′०″उ॰ ०°०′०″पू॰ / ४५.०००००°N ०.०००००°E
उत्तरी गोलार्द्ध पृथ्वीकेँ ओ भाग छी जे भूमध्य रेखाक उत्तरमे अछि। अन्य सौर्यमण्डलक ग्रहसभक उत्तर दिशा पृथ्वीक उत्तरी ध्रुवक स्थिर समतलमे लेल जाएत अछि[१]। पृथ्वीकेँ अक्षीय झुकावक कारण सँ उत्तरी गोलार्द्धमे शीत ऋतु, दक्षिणायन (२२ दिसम्बरक अगलबगल) सँ वसन्त विषुव (लगभग २३ मार्च) धरि चलैत अछि आ ग्रीष्म ऋतु, उत्तरायण (२१ जुन) सँ शरद ऋतु विषुव (लगभग २३ सितम्बर) धरि चलैत अछि। उत्तरी गोलार्द्धक उत्तरी छोर पुर्ण रुपेण ठोस नै अछि, ओतय समुद्रक बीच जगह-जगह विशाल हिमखण्ड मिलैत अछि।
भूगोल आ जलवायु
[सम्पादन करी]आर्कटिक रेखाक उत्तरमे आर्कटिक प्रदेश अछि। एहि क्षेत्रमे सर्दी ठण्डा आ गर्मी उष्ण रहैत अछि।
महाद्वीपसभक सूची
[सम्पादन करी]- दक्षिणी गोलार्द्ध आ पूर्वी गोलार्द्धक किछ विदेशी क्षेत्रसभकेँ छोड़ि पूरा युरोप उत्तरी गोलार्द्धमे अबैत अछि।
- पूरा उत्तर अमेरिका, मध्य अमेरिका आ क्यारिबिया उत्तरी गोलार्द्धमे अबैत अछि।
- एसियाक विशाल हिस्सा, पूर्वी टिमोर आ इन्डोनेसियाकें छोड़ि पूरा क्षेत्र उत्तरी गोलार्द्धमे अबैत अछि।
- अफ्रिकाकेँ दुई तिहाई, अफ्रिकाक सिङ्गक ऊपर धरि।
- दक्षिण अमेरिकाक दसम् भाग, अमेजन नदीक मोहानक उत्तर धरि।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "कार्टोग्राफिक निर्देशाङ्क आ घूर्णी तत्वसभ पर आइएयू कार्य समूहक रिपोर्ट: २००९" (PDF)। मूल (PDF)सँ 2012-02-17 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-10-04।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)