उमेश मंडल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश



उमेश मण्डल

परिचय : नाम उमेश मण्डल, माता-पिता : श्रीमती रामसखी देवी, श्री जगदीश प्रसाद मण्डल, पत्नी : श्रीमती पुनम मण्डल, सन्तान : पल्लवी मण्डल, तुलसी कुमारी, मानव अनीश मण्डल, स्थायी पता : ग्राम+पोस्ट- बेरमा, वार्ड नं.: 03,भाया- तमुरिया, जिला- मधुबनी, बिहार- 847410, सम्प्रति: तुलसी भवन, जे. एल. नेहरू मार्ग, वार्ड नं. 06, निर्मली, जिला- सुपौल, बिहार- 847452, ई-पत्र : umeshberma@gmail.com  

उमेश मण्डलक जन्म मधुबनी जिलाक बेरमा गाममे 31 दिसम्बर 1980 ईस्वीमे किसान परिवारमे भेल। कुञ्जो-शान्ति उच्च विद्यालय, रमौली (तमुरिया) सँ ई 1996 ईस्वीमे मैट्रिक पास केलैन। बचपनेसँ ई अपन पिताक संग कृषि कार्यमे सलग्न रहि कऽ पढ़ाइक संग-संग जीविकोपार्जन सेहो करैत रहला। अन्तर स्नातक तथा स्नातक (प्रतिष्ठा), क्रमश: 1998 एवं 2001 ईस्वीमे, एल.एन.जे. कॉलेज- झंझारपुरसँ पास केलैन। 2000 ईस्वीक बादसँ प्राथमिक उपचार (एलोपैथ) कार्यक लेल ज्ञानोपार्जनक संग-संग अभ्यास-कार्यमे संलग्न भेला। 2001 ईस्वीमे 10 मई-के वैवाहिक जीवन प्राप्त कए पारिवारिक भरण-पोषणक दायित्वकेँ सम्हारव शुरू केलैन। 2004 ईस्वीक बादसँ हिनकर रूचि साहित्य क्षेत्रमे बढ़ए लगलैन। अपन पिताजीक रचनासभकेँ पढ़ैत गेला आ संग-संग मुद्रण सेहो शुरू करए लगला। 2008 इस्वीसँ मुद्रण एवं पुस्तक प्रकाशन कार्यसँ जुड़ि गेला। श्रुति प्रकाशन, नई दिल्लीसँ केतेको रचनाकारक अनेको पोथी प्रकाशित करबैमे ई अवैतनिक मुद्रण एवं सम्पादन कार्य आरम्भ केलैन। 2012 ईस्वीमे मैथिलीसँ एम.ए. केलैन। 2014 ईस्वीमे पल्लवी प्रकाशनक स्थापना केलैन। 2015 ईस्वीमे राष्ट्रीय पात्रता परीक्षा (NET) सेहो पास केलैन। 2021 ईस्वीमे शोध कार्य–पीएच.डी.–(मैथिली साहित्यमे जगदीश प्रसाद मण्डलक रचनामे परिवर्तनक स्वर) बी.आर. अम्बेदकर बिहार विश्व विद्यालय, मुजफ्फरपुरसँ केलैन।

प्रकाशित कृति : (1) निश्तुकी (पद्य संग्रह, 2009), (2) संस्कार गीत (मिथिलाक सभ जाति-धर्मक लोकमे प्रयुक्त मैथिली लोकगीतक सङ्कलन, 2010)। (3) ‘मिथिलाक जीव-जन्तु’, (4) ‘मिथिलाक वनस्पति’ आ (5) ‘मिथिलाक जिनगी’ (डिजिटल सचित्र ऑनलाइन संस्करण, 2011)। (6) विदेह मैथिली लघुकथा संग्रह, (7) विदेह मैथिली बीहनि कथा संग्रह, (8) विदेह मैथिली पद्य संग्रह, (9) विदेह मैथिली प्रबन्ध-निबन्ध समालोचना, (10) विदेह मैथिली नाट्य उत्सव तथा (11) विदेह मैथिली शिशु उत्सव (संग सम्पादन कार्य, 2012 इस्वीमे)। (12) टुटैत मनक जुड़ाव (कथा संग्रह, 2018), (13) पंचदेव (100 खण्ड-ग्रन्थ, श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक बीछल कथाक सङ्कलन, 2018), (14) भारतीय मुसलमान आ भारतीयता (हिन्दीसँ मैथिलीमे अनुवाद, 2018, मूल लेखक- श्री गीतेश शर्मा), (15) दुध-पानि फराक-फराक (कथा-पाण्डुलिपि-छाया-संस्करण, 2018), (16) देवाश्रम (35 खण्ड-ग्रन्थ, विचारोत्तेजक पाम्फलेट सङ्कलन, 2019), (17) मुक्तपुरुष (शोध आलेखक संग्रह, 2021)। (18) हेन्डबुक सँ फेसबुक धरि (2021), (19) समस्या सँ समाधान धरि (2022), (20) निर्विकल्प (2022), (21) अभ्यन्तर (2022), (22) जेतए ने जाए कवि ओतए जाए अनुभवी (2022) तथा (23) कियो करए आप-ले माए-ले ने बाप-ले (2023)- विचारोत्तेजक गद्यांश सङ्कलन। (24) जगदीश प्रसाद मण्डलक काव्य संसार (अनुसन्धान विश्लेषण, 2022), (25) अन्तर्ध्वनि (कथा संचयन, 2023)।

संस्थापक : पल्लवी प्रकाशन, निर्मली (सुपौल)

योगदान : प्रसिद्ध साहित्यकार श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक 09 दर्जन पोथीक मुद्रण एवम प्रकाशनक अलावे अनेको अन्य रचनाकारक सात दर्जनसँ ऊपर ग्रन्थक अक्षर संयोजन अवैतनिक। ‘सगर राति दीप जरय’क 80म, 88म, 100म (शतांक) आ 107म गोष्ठीक संयोजनक अलावे दर्जनो परिचर्चा-संगोष्ठीक आयोजन। ठाम-ठाम दर्जनो मैथिली पोथी-प्रदर्शनी।

सम्मान/पुरस्कार : (1) विदेह युवा पुरस्कार (2013 इस्वीमे, निश्तुकी पद्य संग्रह लेल), (2) सहयोग पुरस्कार (2021 इस्वीमे, शकुन्तला-भुवनेश्वरी मैथिली-संस्कृत सम्वर्द्धन न्यास- हैदरावादसँ) तथा (3) लोकचिन्तन विशिष्ठ सेवा सम्मान- 2022