एलिजाबेथ प्रथम
दिखावट
| एलिजाबेथ प्रथम Elizabeth I | |
|---|---|
एलिजाबेथ प्रथमक डार्न्लेद्वारा चित्रित छायाचित्र (ल. १५७५) | |
| इङ्ल्यान्ड आ आयरल्यान्डक रानी | |
| शासनकाल | १७ नवम्बर १५५८ – २४ मार्च १६०३ |
| राज्याभिषेक | १५ जनवरी १५५९ |
| पूर्वाधिकारी | मैरी I आ फिलिप |
| उत्तराधिकारी | जेम्स I |
| जन्म | ७ सितम्बर १५३३ प्लैसेन्टियाक महल, ग्रीनविच, इङ्ल्यान्ड |
| मृत्यु | २४ मार्च १६०३ (६९ वर्ष) रिचमन्ड महल, सर्रे, इङ्ल्यान्ड |
| Burial | २८ अप्रिल १६०३ |
| घराना | ट्यूडर राजवंश |
| पिता | हेनरी VIII |
| माता | ऐन बोलीन |
| धर्म | एङ्ग्लिकन |
| हस्ताक्षर | |
एलिजाबेथ प्रथम (Elizabeth I, जन्म: ७ सितम्बर १५३३, मृत्यु: २४ मार्च १६०३) इङ्ल्यान्ड आ आयरल्यान्डक महारानी छल, जकर शासनकाल १७ नवम्बर १५५८ सँ ओकर मृत्यु धरि चलल छल । ओ ब्रिटेनक ट्युडर राजवंशक पाँचम आ अन्तिम सम्राट छल । ओ कहियो विवाह नै केनए छल आ एलिजबेथकें कोनो सन्तान नै छल आ एलिजाबेथ "कमारी रानी" (virgin queen, भर्जिन क्वीन)क नाम सँ सेहो जानल जाएत छल । ओ ब्रिटेनक सम्राट हेनरी अष्टमक बेटी होमए कऽ कारण जन्म कालमे एक राजकुमारी छल, मुदा एकर जन्मके अढ़ाई साल बाद एलिजाबेथक माता, ऐन बोलिनक मारि देनए छल आ एलिजाबेथक नाजायज घोषित करि देल गेल छल । सन् १५५३ धरि एकर सौतेला भाई एडवर्ड ६क शासनकालक बाद एकर बहिन मेरी १ शासन सम्म्भालक । मेरीक सन्तानरहित होमए कऽ बाद एलिजाबेथ १७ नवम्म्बर १५५८ कऽ अङ्ग्रेजी सिंहासनक बागडोर सम्भालने छल ।