ओलिम्पिया,ग्रीस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

ओलिम्पिया नगर (Olympia) प्राचीन कालमे ओलिपिक खेलसभ कऽ स्थल छल । ई यूनान देशकऽ पश्चिमी मोरियामे रूफिया नदी के उत्तरी किनारा पर आधुनिक पिरगोस नगरसँ ११ मील पूर्व स्थित अछि ।

ओलम्पिया कऽ 'हेरा कऽ मन्दिर कऽ भग्नावशेष

यूनान कऽ इतिहासमे ई नगर कऽ धार्मिक आ राजनीतिक महत्व रहल अछि । हीरा कऽ मन्दिर प्राचीनतम विद्यमान भवन अछि जेकर निर्माण, अपन मौलिक रूपमे, सम्भवत: ईसासँ १,००० वर्ष पूर्व भेल छल । एतय खेलसभ कऽ उत्पत्ति कऽ सम्बन्धमे विभिन्न धारणासभ अछि । एक मत कऽ अनुसार पहील दौड प्यालौप्स आ आयनोमौस कऽ बीच भेल छल , मुद्दा द्वितीय मतानुसार एतय सर्वप्रथम हेराकिल्सद्वारा खेलकूदसभ कऽ उत्सव मनावल गेल छल । ११अम शताब्दी कऽ यूनानी लेखक सेडीनस कऽ अनुसार ओलिम्पिक उत्सव ३९३ ईसा धरि मनावल गेल ।

ओलिम्पिया अथवा ओलिम्बिया कऽ वर्तमान गाम क्लादियस नदी कऽ दोसर किनारा पर स्थित अछि । एतय एक संग्रहालय सेहो अछि ।


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]