काइली मिनोग

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
काइली मिनोग
Kylie Minogue
Kylie Minogue in 2008
पृष्ठभूमि जानकारी
जन्म नामकाइली एन मिनोग
शैलीपप, रक
कार्यसभगायिका, गीतकार, अभिनेत्री
सक्रियता वर्ष१९७९–वर्तमान
वेबसाइटwww.kylie.com/

काइली एन मिनोग, (जन्म - २८ मई १९६८) एक अस्ट्रेलियाली पप गायिका, गीतकार तथा अभिनेत्री छी । अस्ट्रेलियाली टेलिभिजनपर एक बाल कलाकारक रूपमे अपन करियर शुरू करैक बाद तथा सन् १९८७ मे एक रिकर्डिङ कलाकारक रूपमे अपन करियर शुरू करैसँ पहिने, हुनका टेलिभिजन सिरियल नेबर्स मे अपन भूमिकासँ ख्याति मिलल छल । हुनकर पहिल एकल लोकोमोशन, अस्ट्रेलियाली एकल चार्ट पर पूरे सात हप्ताधरि शीर्षपर बनल रहल आ ओ एलबम ओहि दशकक सबसँ बेसी बिकै वला एकल बनि गेल । ई सफलताक बाद हुनका स्टक, एटकेन आ वाटरम्यान आदि गीतकारसभ तथा निर्मातासभक साथ अनुबन्ध दिलेनाए छल । हुनकर पहिल एल्बम, काइली (१९८८) आ ओकर एकल आई शुड बी सो लकी दुनू संयुक्त अधिराज्यमे क्रमाङ्क एक पर पहुंचि गेल आ अगला दुई वर्षसँ भी बेसी अवधिधरि हुनकर सभ पहिल १३ एकल ब्रिटिश शीर्ष दस धरि पहुंचल । हुनकर पहिल चलचित्र द डेलिनक्वेन्ट्स (१९८९) नकारात्मक समीक्षाक बादो अस्ट्रेलिया तथा ब्रिटेनमे बक्स अफिस पर सफल रहल ।

जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]