कुल बहादुर गुरुङ
कुलबहादुर गुरुङ | |
|---|---|
| जन्म | वि.सं. १९९२ मंसीर ८ गते इलाम नेपाल |
| राष्ट्रियता | नेपाली |
| अन्य नामसभ | के.बी. गुरुङ |
| मातृसंस्था | त्रिभुवन विश्विवद्यालय |
| व्यवसाय | राजनीति |
| सक्रिय वर्ष | ६५ बर्ष |
| प्रसिद्धि कारण | नेपाल गणतन्त्र घोषणा (संविधानसभाक पहिल बैठकक अध्यक्षता) |
| जीवनसाथी(सभ) | श्रीमती रत्ना गुरुङ |
कुलबहादुर गुरुङ (प्रचलित नाम केबी गुरुङ) नेपाली राजनीतिज्ञ तथा प्रजातन्त्र सेनानी छी। अखन ओ नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय समिति सदस्य छी। एहीसँ पहिले ओ कांग्रेसक महामन्त्री छल । गुरुङ २००७ सालसँ राजनीतिमे संलग्न रहैत आएल अछि। पहिल संविधानसभा निर्वाचन २०६४ मे ओ इलाम क्षेत्र नं. ३ सँ नेपाली कांग्रेसक तर्फसँ सभासद्मे प्रत्यक्ष निर्वाचित भेल छल। संविधानसभामे अध्यक्षक विधिवत् निर्वाचन होएसँ पहिले ज्येष्ठत सदस्यक रूपमे संविधान सभाक अध्यक्षता केनए छल। उनकर अध्यक्षतामे बैसल संविधान सभाक पहिल निर्वाचन नेपालमे राजतन्त्रक विधिवत अन्त्य करैत गणतन्त्र घोषणा केनए छल।
दोसर संविधानसभामे गुरुङ समानुपातिक तर्फसँ सभासद् निर्वाचित भेल अछि।
गुरुङ वि.सं. १९९२ मंसीर ८ गते बाबु पहलबहादुर गुरुङ आ माता पूर्णकुमारी गुरुङक पुत्रक रूपमे इलाममे जन्मल छल। ओ २००५ सालसँ राणा शासन विरूद्धक संघर्षमे सहभागी भेल छल ।[१]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "राष्ट्रपतिका उम्मेदवार गुरुङ को हुन?", सेतोपाटी, अन्तिम पहुँच १२ अक्टोबर २०१५।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]