सामग्री पर जाएँ

क्याथरिन, वेल्सक राजकुमारी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
क्याथरिन
वेल्सक राजकुमारी (आओर)
सन् २०१९ मे क्याथरिन
जन्म (१९८२-०१-०९) ९ जनवरी १९८२ (उमर ४३)
रिडिङ, बर्कसायर, इङ्ल्यान्ड
जीवनसाथीविलियम, वेल्सक राजकुमार
(वि. २०११)
सन्तान
नाम
क्याथरिन एलिजाबेथ मिडलटन
घरानाविन्डसर राजघराना(विवाह पश्चात्)
पितामाइकल फ्रान्सिस मिड्लटन
माताक्यारोल गोल्डस्मिथ
धर्मचर्च अफ इङ्ल्यान्ड[]

क्याथरिन, वेल्सक राजकुमारी (क्याथरिन एलिजाबेथ 'केट'; पूर्वकुलनाम: मिडलटन, जन्म: सन् १९८२ जनवरी ९), विलियम, वेल्सक राजकुमार कऽ घरवाली छी। विलियम सोलह स्वतन्त्र सार्वभौम राज्यसभक राजगद्दी केर उत्तराधिकारी छी। विलियमक उत्तराधिकार पर क्याथरिन रानी बनि जाएत।[][] डचेस अफ क्याम्ब्रिज मुख्य रूप सँ छोट बच्चासभ, नशाक लतमे फसल युवा आ कलाक क्षेत्रमे अपन परोपकारी काजसभ केन्द्रित केनए अछि। लोकसभक अपन मानसिक स्वास्थ्यक मुद्दासभक बारेमे प्रोत्साहित करवाक लेल क्याम्ब्रिजक ड्यूक आ डचेस आ ससेक्सक ड्यूक सन् २०१६ अप्रैलमे मानसिक स्वास्थ्य जागरूकता अभियान 'हेड्स टुगेदर' सुरु केनए अछि। सन् २०१२ आ २०१३ मे टाइम पत्रिका हुनका दुनियाक १०० सभसँ प्रभावशाली लोकसभमे सँ एक केर रूपमे चुनने छल।[][]

क्याथरिनक पालन-पोषण न्युबरी, बर्कशायर, इङ्ल्यान्डक नजदिक स्थित च्यापल रो गाममे भेल छल।[]स्कटल्यान्डक सेन्ट एन्ड्रयुज विश्वविद्यालय सँ कला इतिहासमे अध्ययन केलक जतय हुनकर भेंट सन् २००१ मे तखनुका वेल्सक राजकुमार विलियम सँ भेल। दुनूकें सगुनक घोषणा १६ नवम्बर २०१० कें भेल तथा अगला वर्ष २९ अप्रैलक दिन दुनूकें विवाह लन्डनक वेस्टमिन्स्टर एब्बीमे सम्पन्न भेल। ई विवाह समारोहक तैयारी आ स्वयं ई अवसर मीडियाकें बहुतेक ध्यान आकर्षित केनए छल।

क्याथरिनद्वारा ब्रिटिश फ्यासन पर एक पैग असर पड़ल अछि जकरा 'केट मिडिलटन इफेक्ट' (मैथिली: 'केट मिडिलटन प्रभाव') कहल गेल अछि।[] हिनका सन् २०१२ मे टाइम पत्रिकाद्वारा दुनियामे १०० सभ सँ प्रभावशाली लोकसभमे सँ एकक रूपमे चयनित कएल गेल।[]

प्रिन्स विलियमसङ्ग सम्बन्ध

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Adams, William Lee (१४ अप्रैल २०११), "Kate Middleton's Secret Confirmation: How Religious Is the Future Princess?", Time, अन्तिम पहुँच २० फरबरी २०१३ 
  2. "Catherine, Duchess of Cambridge". Current Biography Yearbook 2011. इप्स्विच: ऍच॰ डब्ल्यू॰ विल्सन. 2011. pp. 116–118. आइएसबिएन 978-0-8242-1121-9. 
  3. "Queen Kate? Her Royal Highness? In search of Kate Middleton's New Title", टाइम, १६ नवम्बर २०१०, अन्तिम पहुँच २३ जुलाई २०१३ 
  4. "Catherine, Duchess of Cambridge, and Pippa Middleton – 2012 TIME 100: The Most Influential People in the World – TIME", TIME.com, १८ अप्रैल २०१२, मूलसँ २४ जुलाई २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ सितम्बर २०१९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. "The 2013 Time 100", Time magazine, १८ अप्रैल २०१३, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०१५ 
  6. "Royal wedding: Kate Middleton's home village of Bucklebury prepares for big day", द टैलीग्राफ, १२ अप्रैल २०११, अन्तिम पहुँच २३ जुलाई २०१३ 
  7. थोमस-बेली, कार्लिन; ज़ोई वुड (३० मार्च २०१२), "How the 'Duchess of Cambridge effect' is helping British fashion in US", द गार्डियन, अन्तिम पहुँच २३ जुलाई २०१३ 
  8. मेयर, क्याथरिन (१८ अप्रैल २०१२), "TIME 100: The List, Catherine, Duchess of Cambridge, and Pippa Middleton", टाइम, मूलसँ २०१३-०७-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २३ जुलाई २०१३  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]