खजुरीवाली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

खजुरीवाली .... ई नाम थिक जनकपुरक पत्रकार आ साहित्य सर्जक सुजित कुमार झा के नव पोथी कें ...! सुजित कुमार झा मैथिलिमे अहिसं पुर्ब ५टा पोथी निकालि चुकल छैथ ! चिडई, गन्ध, रेपोर्ताज डाईरी, जिद्दी, कोइली घुरि आऊ सन पोथी निकालला बाद हिनक अहि पोथीमे १३ टा कथा सभक संग्रह छैक ! जनकपुर सं बाहर पहिल बेर जनकपुरक कोनो साहित्यकार सायद अपन पोथीके लोकार्पण कयल ! राजविराज मे अहि पोथिके लोकार्पण रविदीन २०७१ साल भादब १ गते तदानुसार १७ अगस्त २०१४ मे कयल गेल ! राजविराजके बरिष्ठ पत्रकार शिवहरि प्रसाद भट्टराई आ साझा बाल साहित्य पुरस्कार बिजेता देवेन्द्र मिश्रा संयुक्त रुपसं कयलनि ! मैथिली साहित्य परिषद, सप्तरी द्वारा आयोजना कयल यै कार्यक्रम मे मैथिली के साहित्यकार, संचारकर्मी आ विद्वत बर्गक सहभागिता रहल छल !