खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
श्री कमाण्डर ईन चिफ
खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा
जन्म: खड्ग शमशेर कुँवर राणा
नेपालक प्रधानसेनापति
पूर्वाधिकारीजीतजङ्ग राणा
उतराधिकारीरण शमशेर जङ्गबहादुर राणा
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म १६ फरबरी, १८६१
मृत्यु २२ दिसम्बर, १९२१
नेपाल दरबार, सौगोर
धर्म हिन्दू
सैनिक सेवा
क्रम जनरल

खड्ग शमशेर जङ्गबहादुर राणा नेपाली सेनाक प्रधानसेनापति छल । उनकर जन्म कमाण्डर धीर शमशेर राणाक दोसर पुत्रक रुपमे भेल । वि.सं. १९४२(सन् १८८५)मे अपन बडक पापा प्रधानमन्त्री रणोद्दिप सिँह बहादुर राणाक हत्या केलक पश्चात ओ प्रधानसेनापति भेल साथ प्रधानमन्त्रीक मर्यादामे भैइया वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणापछाक दोसर छल। सन् १८८७ मे ओ प्रधानमन्त्रीक रोलक्रमसँ निश्काषित भऽ ठाडा जेलमे बन्दी भेल । सन् १८८९ मे पाल्पाक बडाहाकिममे नियुक्त भऽइ पुनर्स्थापित भेल । सन् १९०१ मे धनकुटाक बडाहाकिम भेल । सन् १९०९ मे बेलायतक महाराज एडवार्ड सातौंसँ व्यक्तिगत राजाक उपाधि पावलक।

ओ नेपालक शाहाजहाँ कहलावैत छल। ओ अपन पत्नीक लेल पाल्पामे रानीमहल बनाने छल जे नेपालक ताजमहल कहलावैत छल ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]