गणेशमान सिंह

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गणेशमान सिंह
Ganesh Man Singh
लौहपुरुष गणेशमान सिंह
जन्म१९७२ कातिक २४
काठमाडौँ, यट्खा टोल
मृत्यु२०५४ आश्विन २
अन्य नामसभहिराकाजी
नागरिकतानेपाली
व्यवसायराजनीतिज्ञ
उल्लेखनीय कार्यसभ
जनाअन्दोलन २०४६क नेतृत्व
शीर्षकफादर अफ डेमोक्रेसी
सर्वमान्य नेता
लौह पुरुष
राजनीतिक दलनेपाली काँग्रेस
जीवनसाथी(सभ)मंगलादेवी सिंह
बालबच्चाप्रदीपमान सिंह
प्रकाशमान सिंह
डा. मीना सिंह
कान्ता मानन्धर
रीता बैद्य
अभिभावक(सभ)ज्ञानमान सिंह
सुभद्रा कुमारी
पुरस्कारपिसरन पुरस्कार-१९९०
मानवाधिकार पुरस्कार-१९९३
उ थान्त शान्ति पुरस्कार


गणेशमान सिंह (वि.सं. १९७२-२०५४) नेपालक बरिष्ठ राजनीतिज्ञ, प्रजातन्त्रक योद्धा तथा २०४६ सालक जनआन्दोलनक सर्वोच्च कमान्डर छल । काठमाडौंक खानदानी परिवारम जन्मल गणेशमान सिंह १९९७ सालम स्थापना भेल नेपालक पहिल राजनीतिक पार्टी प्रजा परिषद्क सदस्य भऽ राणा शासन हटाबैक राजनीतिक लेल स्वयंक योगदान देनेए छल । भद्रगोल जेल फोइर भागल जोशिला युवा गणेशमान प्रबास जाएसँ पहिने तत्कालीन राणा हटाऊ आन्दोलनक एक नायक भऽ गेल छल । भारतम दोसर नेता बीपी कोइरालासँ राजनीतिक सम्बन्ध विकसित होए साथे अन्य किछ सहयोगीसाथ २००३ सालम स्थापित नेपाली कांग्रेसक आजीवन जुझारू नेतृत्व देवाक लेल गणेशमानक उल्लेखनीय भूमिका रहल अछि । २००७ सालक क्रान्तिक एक अगुवाक रूपमे ओ बीरगञ्ज मोर्चाम सशस्त्र संघर्ष केनेए छल । संर्घषक हिसाबसँ बीपी कोइरालासँ बेसी समय धरि देशम प्रजातन्त्र बहाली आ पुर्नबहाली लेल समर्पित गणेशमान सिंह सैद्धान्तिक हिसाबसँ बीपीक अनुयायी आ सबैसँ बरका र्समर्थकक रूपमे नेपाली कांग्रेसक लोकप्रिय बनाबैक लेल सदा क्रियाशिल छल । पहिल जननिर्वाचित सरकारम वरिष्ठ मन्त्री रहल गणेशमान २०१७ सालम प्रजातन्त्र अपहरण भेला पश्चात आठ वर्षनिरन्तर काराबास भोगने छल । ततपश्चात पुनः प्रबासम राजनीतिक सङ्गठन विस्तार करि २०३३ सालम बीपीसाथे राष्ट्रिय मेलमिलापक नारा लऽ स्वदेश आइब तत्कालीन पञ्चायती व्यवस्था विरुद्ध सक्रिय रहल छल ।

बाल्यकाल आ शिक्षा[सम्पादन करी]

राजनिति[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]