गीता दत्त
गीता दत्त Geeta Dutt | |
---|---|
![]() | |
जन्म | गीता घोष राय चोधरी २३ नवम्बर १९३० |
मृत्यु | २० जुलाई १९७२[१] मुम्बई, भारत | (४१ वर्ष)
व्यवसाय | गायिका |
सक्रिय वर्ष | १९४६-१९७१ |
जीवनसाथी(सभ) | गुरु दत्त (१९५३-१९६४; मृत्यु धरि) ३ सन्तान |
गीता दत्त (जन्म: गीता घोष राय चौधरी; २३ नवम्बर १९३० – २० जुलाई १९७२) विख्यात भारतीय गायिका छल। हिनकर जन्म भारतक विभाजनसँ पहिने फरीदपुरमे भेल छल। गीता हिन्दी सिनेमामे एक पार्श्व गायिकाक रूपमे अपन विशेष पहिचान बनेने अछि।
प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]
गीता घोष राय चौधरी अपन परिवारक १० बच्चासभमे सँ एक छल। हुनकर जन्म इदिलपुर नामक गाममे एक अमीर जमिन्दार परिवारमे भेल छल, जे एखन बंगलादेशक शरियतपुर जिलामे अबैत अछि मुदा ओहि समयमे ई स्थान बङ्गाल प्रान्त, ब्रिटिश भारतक फरीदपुर जिलामे छल। हुनकर परिवार अपन भूमि आ सम्पतिसभकें बेचबिखन करि सन् १९४० कऽ शुरुआती वर्षमे कोलकाता आ असम चलि गेल। सन् १९४२ मे, हिनकर माता-पिता बम्बे कऽ एक अपार्टमेन्टमे रहऽ लागल।[२] गीता बारह वर्षक छल आ ओ बङ्गाली उच्च विद्यालयमे अपन विद्यालय शिक्षा जारी राखने छल।
गायकी करियर[सम्पादन करी]
निजी जीवन[सम्पादन करी]
हिन्दी चलचित्र बाजी कऽ गीतक रेकर्डिङ्गक समयमे, गीता ई चलचित्रक युवा निर्देशक, गुरु दत्त सँ भेट भेल। हुनकर प्रेम-सम्बन्ध २६ मई १९५३ कें विवाह भेलाक बाद समाप्त भेल छल। ई दुनूकें तीन बच्चा भेल: तरुण (१९५४-१९८५), अरुण (१९५६-२०१४) आ नीना (जन्म: १९६४)। गीता उल्लेखनीय सङ्गीत निर्देशकसभ सुधीर दासगुप्ता आ अनिल चटर्जीक धुन पर गाबैत कयन गैर-चलचित्र गाना सेहो रेकर्ड केनए छल।
सन् १९५७ मे, गुरु दत्त अपन समकक्षी गीता दत्तक सङ्ग गायिकाक रूपमे चलचित्र गौरी जारी केनए छल। ई सिनेमास्कोपमे भारतक पहिल चलचित्र होमए वाला छल, मुदा चलचित्र छायाङ्कनक किछ दिन बाद ई परियोजना रोकि देल गेल। ताबे धरि, गुरुदत्त वहीदा रहमानक सङ् प्रेम-सम्बन्ध स्थापित करि लेने छल आ गीता सोमरस पीनाए आरम्भ करि देने छल।[३] गुरु आ वहीदाक विवाह भेलाक बाद गीताक गायन करियर प्रभावित भऽ गेल छल।
सन् १९५८ मे, एसडी बर्मनक पार्श्व गायिका लता मङ्गेशकरक सङ्ग कलह भऽ गेल आ ओ गीताकें अपन रचनासभमे मुख्य गायिकाक रूपमे विकसित करवाक प्रयास केनए छल। ओ आशा भोंसले कऽ चयन नई करि गीताकें चुनलक कियाकी हुनका बुझाएमे आशा एखनो अपेक्षाकृत कम अनुभवी अछि। ओना तँ, अपन व्यक्तिगत समस्यासभक कारण, गीता अपन कला कऽ पर्याप्त अभ्यास नै करैत छल आ बर्मनक मानककें पूरा करैमे विफल रहल। ओ आ ओपी नैय्यर तखन आशाक सङ्ग काम केनाए शुरू केलक आ एक गायिकाक रूपमे हुनका अनुभवी होमए मे मद्द्ति केलक।[४]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "गुरु दत्त की वजह से इस सिंगर ने खो दी थी याददाश्त, आर्थिक तंगी के बीच 41 की उम्र में छोड़ दी दुनिया", अमर उजाला, २० जुलाई २०१८, अन्तिम पहुँच २३ फरवरी २०१९।
- ↑ "वहीदा रहमान की वजह से गुरु दत्त ने दिया था पत्नी को धोखा, आखिरी वक्त में ऐसे किया गुजारा", अमर उजाला, २३ नवंबर २०१८, अन्तिम पहुँच २३ फरवरी २०१९।
- ↑ "Geeta Dutt Birth Anniversary स्टारडम और अकेलेपन से जूझते बीती जिंदगी", नवभारत टाइम्स (हिन्दीमे), २३ नवम्बर २०१८, अन्तिम पहुँच २३ फरवरी २०१९।
- ↑ "कभी गीता दत्त और लता के छोड़े गाने गाती थीं ये महान गायिका", आज तक (हिन्दीमे), ८ सितंबर २०१८, अन्तिम पहुँच २३ फरवरी २०१९।