चूडामणि रेग्मी
चूडामणि रेग्मी | |
---|---|
जन्म | पाल्पा जिला |
उपनाम | चूडामणि बन्धु |
पेशा | साहित्य |
भाषा | नेपाली |
राष्ट्रियता | नेपाली |
नागरिकता | नेपाली |
शिक्षा | एम. ए, पी. एच. डी.(भाषा विज्ञान) |
चूडामणि रेग्मी चर्चित नाम चूडामणि बन्धु (जन्म वि.सं. १९९५) नेपाली भाषाकऽ समालोचक तथा निवन्धकार अछि। रेग्मी विगत ४ दशकसँ नेपाली भाषा साहित्य अध्यापन कार्यमे संलग्न अछि।
जीवनी
[सम्पादन करी]चूडामणि वि.सं. १९९५ जेठ महिनामे बाबु डिल्लीराम रेग्मी आ माता हरिप्रिया देवीक सुपुत्रक रूपमे बन्धु रहबास, चिर्तुङधारा, पाल्पामे जन्मल अछि । नेपालीमे एम्.ए. आ भाषाविज्ञानमे विद्यावारिधि कएल रेग्मी प्राध्यापन पेशा अँगालेक छल।
कृतिसभ
[सम्पादन करी]रेग्मीक मौलिक कृतिसभ
- महाकवि लक्ष्मीप्रसाद देवकोटा
- देवकोटा (जीवनी/समालोचना, वि.सं. २०३६)
- नेपाली भाषाको उत्पति (वि.सं. २०२५)
- भाषा विज्ञान-भाषा विषयक (वि.सं. २०३०)
- अनुसन्धान प्रबन्धको रूप र शैली (वि.सं. २०३४)
- कर्णाली लोक संस्कृति खण्ड-४ (वि.सं. २०२८)
- नेपाली व्याकरणका केही पक्ष-व्याकरण
- चकमकको बट्टा आ उड्ने बाकस
- यात्राको साथी
उनकर सम्पादित, अनूदित आ फुटकर कृतिसभ
- साझा कविता (वि.सं. २०२४)
- साझा एकाङ्की (वि.सं. २०२५)
- लक्ष्मी कवितासंग्रह (वि.सं. २०३३)
- लक्ष्मी कथासंग्रह (वि.सं. २०३४)
- लक्ष्मी गीतिसंग्रह (सम्पादन)
पुरस्कार
[सम्पादन करी]ओ कर्णाली लोक संस्कृति भाग ४ नामक ग्रन्थक लेल दर्शन विज्ञानतर्फक मदन पुरस्कार २०२८ संयुक्तरूपमे प्राप्त केने अछि। उनकर साथ बिहारीकृष्ण श्रेष्ठ, स्थिरजंगबहादुर सिंह आ प्रदीप रिमाल के उक्त पुरस्कार प्रदान केने छल।
ओ देवकोटाक लेल वि.सं. २०३६क साझा पुरस्कार, वि.सं. २०३७मे गुणराज स्मारक व्याख्यान पुरस्कार, सन् १९७४मा गो.द.बा. चौथो, सन् १९८४मे महेन्द्र विद्याभुषण आदि पावल छल ।