जनक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

जनक
Janaka
राजा जनक भगवान श्री रामक मिथिलामे स्वागतक समयक तेल चित्र
सन्तानसीता

जनक (English:  Janaka) मिथिलाक ऐतिहासिक राजा छी । जनक वैदिकक राजासबक उल्लेख केल जाएवाला नाम छी ।[१] वैदेह राजा ऋगवैदिक कालक नमी सप्याक नामसँ छलाह, यज्ञ करैत सदेह स्वर्ग गेलाह, ऋगवेदमे वर्णन अछि । ओ इन्द्रकसंग देलन्हि असुर नमुचीक विरुद्ध आ ताहिमे इन्द्र हुनका बचओलन्हि । शतपथ ब्राह्मणक विदेघमाथव आ पुराणक निमि दुनू गोटेक पुरोहित गौतम छथि से दुनू एके छथि आ एतएसँ विदेह राज्यक प्रारम्भ। माथवक पुरहित गौतम मित्रविन्द यज्ञक/ बलिक प्रारम्भ कएलन्हि आ पुनः एकर पुनःस्थापना भेल महाजनक-२ क समयमे याज्ञवल्क्य द्वारा । निमि गौतमक आश्रमक लग जयन्त आ मिथि -जिनका मिथिला नामसँ सेहो सोर कएल जाइत छन्हि, मिथिला राज्यक निर्माण कएलन्हि। सीरध्वज जनक सीताक पिता छथि आ एतयसँ मिथिलाक राजाक सुदृढ़ परम्परा देखबामे अबैत अछि। कृति जनक सीरध्वजक बादक १८म पुस्तमे भेल छलाह । कृति हिरण्यनाभक पुत्र छलाह आ जनक बहुलाश्वक पुत्र छलाह । याज्ञवलक्य हिरण्याभक शिष्य छलाह, हुनकासँ योगक शिक्षा लेने छलाह। कराल जनक द्वारा एकटा ब्राह्मण युवतीक शील-अपहरणक प्रयास भेल आ जनक राजवंश समाप्त भए गेल (सन्दर्भ अश्वघोष-बुद्धचरित आ कौटिल्य-अर्थशास्त्र)।

वैदिक साहित्यमें जनक[सम्पादन करी]

वैदिक समय
याज्ञवल्क्य राजा जनकके ब्रह्मा विद्या सिखावैत् खान

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. The Videha (or Mithila) kingdom was located in South Asia, the east of the Gandaki river, west of the Koshi river, north of the Ganga river and south of the en:Himalaya. The region is now divided between present day Nepal and the Indian state of Bihar.

एहो सभ देखु[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

  1. हिन्दु भगवान् आर कथाक शब्दकोश (ISBN 0-500-51088-1) अन्ना धललपिक्सोला द्वारा
  2. जनकक कथा सङ्ग्रहित २०१६-०६-०२ वेब्याक मेसिन
  3. राजा जनकक बारेम सङ्ग्रहित २०१६-०३-०४ वेब्याक मेसिन
  4. राजा जनकक इतिहास सङ्ग्रहित २०१५-११-०२ वेब्याक मेसिन