जातीय संसद भवन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जातीय संसद भवन
Jatiyo Sangshad Bhaban
National Assembly of Bangladesh (06).jpg
सामान्य जानकारी
प्रकारराष्ट्रिय संसद भवन
वास्तुकला शैलीआधुनिक
ठेगानढाका, बंगलादेश
निर्माण सुरू१९६१
समापन१९८२
लागतअमेरिकी $३२ मिलियन[१]
प्राविधिक विवरण
संरचना प्रणालीकङ्क्रिट, इँटा
योजना आ निर्माण
वास्तुकारलुइस कान
मुझारुल इसलाम (सह-वास्तुकार)

जातीय संसद भवन वा राष्ट्रिय संसद भवन, (बङ्गाली: জাতীয় সংসদ ভবন जातियो सोंसद भोवोन) बंगलादेशक संसदक नाम छी । ई भवन राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला नगरमे अवस्थित अछि । एकर डिजाइन लुइस कान केनए अछि आ ई भवन २०० एकड़मे फैलल अछि आ संसारक सबसँ बड़का विधायक भवनसभमे सँ एक छी ।[१]

ई भवन सन् २००३ मे निर्माण भेल माई आर्किटेक्ट नामक चलचित्रमे स्थायी रूपसँ दर्शाएल गेल छल । ई चलचित्रमे वास्तुकार लुइस कानके पारिवारिक स्थिति आ करियरक बारेमे देखाएल गेल छल । लुइस आइ कान क लेखक रोबर्ट म्याककार्टर, बंगलादेशक जातीय संसद भवनके २०अम शताब्दीके मुख्य भवनमे सँ एक कहने छल ।[२]

इतिहास[सम्पादन करी]

भवन भितरक दृश्य

बंगलादेशी संसद स्थायी रूपसँ जातीय संसद भवनमे बैठैत अछि । ई भवन, विधायकसभक दुनियामे एक शानदार संसदीय निर्माणक नमूना छी । ई भवन २१५ एकड़क भूमिमे राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला क्षेत्रमे अवस्थित अछि । एकर परिसरमे, मुख्य भवन अतिरिक्त, खुलल हरियर रिक्त स्थान, जल निकास आ सांसदसभक भव्य कार्यालय सेहो अवस्थित अछि । ई भवनक निर्माण सन् १९६१ मे शुरू भेल छल । अनेक उतार चढ़ावक बाद अत्यन्तः ८ जनवरी १९७२ के ई भवनके उद्घाटन कएल गेल छल । ई शानदार भवनक रचना प्रसिद्ध अमेरिकी वास्तुकार लुइस आई कान तैयार केनए छल । संसद भवन क्षेत्रक मुख्य भवन, दक्षिण प्लाजा आ राष्ट्रपति प्लाजा, करि तीन भागमे बांटल गेल अछि ।[३][४]

भवन[सम्पादन करी]

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "Jatiya Sangsad Bhaban", banglapedia.org 
  2. McCarter, Robert (2005). Louis I. Kahn. London: Phaidon Press. प॰ 258,270. आइएसबिएन 0-7148-4045-9. 
  3. "Jatiyo Sangsad Bhaban (National Parliament House), Bangladesh", londoni.co, २०१४, अन्तिम पहुँच २८ दिसम्बर २०१५ 
  4. James-Chakraborty, Kathleen (२०१४), "Reinforced concrete in Louis Kahn’s National Assembly, Dhaka: Modernity and modernism in Bangladeshi architecture", Frontiers of Architectural Research 3: 81–88, डिओआई:10.1016/j.foar.2014.01.003 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]