जेनिफर लरेन्स

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जेनिफर लरेन्स
Jennifer Lawrence
जन्म
जेनिफर श्रेडर लरेन्स

(१९९०-०८-१५) अगस्त १५, १९९० (उमर ३३)
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००६-वर्तमान
पुरस्कारपूर्ण सूची


जेनिफर श्रेडर लरेन्स (जन्म अगस्त १५, १९९०) एक अमेरिकी अभिनेत्री छी । सन् २०१५ के बाद लरेन्स विश्वके सभसँ बेसी पैसा लेनिहार अभिनेत्री छी आ हुनकाद्वारा अभिनित चलचित्र ५.५ बिलियन अमेरिकी डलर कुल नाफा कमाए चुकल अछि । ओ सन् २०१३ मे टाइम दुनियाक सभसँ प्रभावशाली १०० लोकमे शामिल भेल छल आ सन् २०१६ मे फोर्ब्स सेलिब्रिटी १०० सूचीमे सेहो शामिल भेल छल ।

अपन बाल्यकालक दौरान लरेन्स चर्च नाटक आ विद्यालय साङ्गीतिक कार्यक्रममे भाग लैत छल । १४ वर्ष भेलाक बाद, एक वुद्धिमता सहकर्मी हुनका न्यू योर्कमे पहिचान केलक । तकर तुरन्त बाद ओ लस एन्जलस चलि गेल आ अपन अभिनय करियरक आरम्भ टेलिभिजन कार्यक्रममे आगन्तुक भूमिकाक संग केनए छल । हुनकर पहिल मुख्य भूमिका भेल कार्यक्रम द बिल एङ्गभल शो (२००७-२००९) रहल । सन् २००८ मे गार्डेन पार्टी चलचित्रमे सहायक भूमिका करैत ओ चलचित्र जीवनक आरम्भ केलक । सन् २०१० मे स्वतन्त्र नाटक विन्टर्स बोनमे गरीब बालिकाक भूमिका करि ओ चर्चित भेल छल । सन् २०११ मे एक्स-मेन: फर्स्ट क्लासमे मिस्टिक भूमिकाक लेल हुनका वृहत चर्चा मिलल जे बादोमे ओ ई चलचित्र सृङ्खलामे जारी राखने अछि ।


जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

जेनिफर लरेन्सक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ