जेली फिस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
जेली फिस
Jellyfish
क्रिसाओरा फ्युसेसेन्स प्रजाति
वैज्ञानिक वर्गीकरण
जगत: जन्तु जगत
संघ: निडारिया
उपसंघ: मेड्यूसाजोआ
पिटरसन, १९७९
वर्ग

जेली फिस या जेली या समुद्री जेली या मेड्युसोजोआ, या गिजगिजिया नाइडेरिया सङ्घक मुक्त-तैराक सदस्य छी । जेली फिसक कयन अलग रूप अछि जे स्काइफोजोआ (२०० सँ अधिक प्रजातिसभ), स्टारोजोआ (लगभग ५० प्रजातिसभ), क्युबोजोआ (लगभग २० प्रजातिसभ) आ हाइड्रोजोआ (लगभग १०००-१५०० प्रजातिसभ जाहिमे जेली फिस आ कायन अनेक शामिल अछि) सहित विभिन्न नाइडेरियाई वर्गसभक प्रतिनिधित्व करैत अछि ।[१][२] ई समूहसभमे जेली फिसके, क्रमशः, स्काइफोमेड्युसे, स्टारोमेड्युसे, क्युबोमेड्युसेहाइड्रोमेड्युसे सेहो कहल जाइत अछि । सम्पूर्ण जेली फिस उपसङ्घ मेड्युसोजोआ मे सन्निहित अछि । मेड्युसा जेली फिस क लेल एक आओर शब्द छी आ याह लेल जीवन-चक्रक वयस्क चरणक लेल विशेष रूपसँ प्रयुक्त होइत अछि ।

जेली फिस हर समुद्रमे, सतहसँ समुद्रक गहराई धरि पावल जाइवला माछ छी । किछ हाइड्रोजोआई जेली फिस, या हाइड्रोमेड्युसे ताजा पानिमे सेहो पाएल जाइत अछि; मीठ पानिक प्रजातिसभ व्यासमे एक इञ्च (२५ मिमी), बेरङ्ग होइत अछि आ डङ्क नै मारैत अछि । आरेलिया जेना कयन सुविख्यात जेली फिस, स्काइफोमेड्युसे छी । ई पैग, अक्सर रङ्गीन जेली फिस छी, जे विश्व भरिमे सामान्यतः तटीय क्षेत्रसभमे पाएल जाइत अछि ।

अपन व्यापक अर्थमे, शब्द जेली फिस आम तौर पर सङ्घ टिनोफोराक सदस्यसभक निर्दिष्ट करैत अछि । शेर अयाल जेली फिस सर्वाधिक विख्यात जेली फिस छी आ विवादास्पद तौर पर दुनियाक सबसँ लम्बा जानवर छी ।[३][४][५]

शब्दावली[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Marques, A.C.; A. G. Collins (२००४), "Cladistic analysis of Medusozoa and cnidarian evolution", Invertebrate Biology 123: 23–42।  |coauthors= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता)
  2. Kramp, P.L. (१९६१), "Synopsis of the Medusae of the World", Journal of the Marine Biological Association of the United Kingdom 40: 1–469। 
  3. http://www.waterford-today.ie/index.php?option=com_content&task=view&id=933&Itemid=10177&ed=68
  4. http://www.jellyfishfacts.net/mane-jellyfish.htm
  5. http://www.redorbit.com/education/reference_library/cnidaria/lions_mane_jellyfish/4326/index.html

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]