ज्योती मगर
Jyoti Magar ज्योती मगर | |
---|---|
वासस्थान | काठमाडौँ, नेपाल |
रोजगार | गायन, मोडेल, नर्तकी |
कार्यकाल | २००६-वर्तमान |
ज्योती मगर एक नेपाल लोक गायिका, [१] मोडेल आ नर्तकी छी । हुन्कर जन्म रोल्पा जिला[२]कऽ नुवागाउँ गाविसमे भेल छल । ओ विसं २०६३ सँ सांगीतिक क्षेत्रमे प्रवेश केनए छल ।
जीवनी[सम्पादन करी]
प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]
ज्योती मगरक जन्म रोल्पा जिलाक नुवागाउँ गाविसमे भेल छल, बादमे ओ बाल्यकालमे हुन्कर परिवारक साथ दाङमे बसाई सरल । उनकर परिवारमे मातापिता लगायत एकटा भाई एकटा बहिन अछी । ओ दाङसँ एसएलसी पास केलक आ प्रविणता प्रमाणपत्र तह सुरु केलक मुद्दा पढाई बिचमे ही छोडि ओ सांगीतिक क्षेत्रदिशा लागल ।[३]
करियर[सम्पादन करी]
प्रारम्भमे डान्सरक रूपमे करियरक सुरुवात केनए ज्योती काठमाडौं आएल आ बादमे किछ वर्ष रंगमञ्च तथा रेडियो नाटकसभमे अभिनय केलक । विसं २०६३ मे ओ पहिल गिती एल्बम रेकर्ड केलक मुद्दा उक्त एल्बम मञ्चन नै भेल । हुन्कर दोसर आ तेसर गिती एल्बम माया सँग आ उही मुलाको सिन्की उही मुलाको चाना बजारमे आएल आ ओकर बाद ओ चर्चामे आएल । ओ एखनोधरि चर्चामे आविके कारण हुन्कर 'ढाडे बिबिरालो'नामक गीत रहल अछि जाहिमे ओ एकदमे अश्लिलता नजर आवैवाला अभिनय केनए अछि ।[कृपया उद्धरण जोड़ी] ओहीसँ पहिले सेहो उनकर बहुतरास अश्लिलतासँ भरिपूर्ण म्यूजिक भिडियोसभ बजारमे आविरहल अछि आ खुबे चर्चा सेहो पाविरहल अछि[कृपया उद्धरण जोड़ी] मुद्दा सकारात्मक चर्चासँ नै कमाव सकल अछि मुद्दा सेहो ओसभक हि सफलता मानैत आगा बढि रहल पाओल जाइत अछि । [३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Interview with Folk singer Jyoti Magar", Medianp.tv।
- ↑ niloaakash.com
- ↑ ३.० ३.१ "Jyoti Magar", Wikinepal.org, २०१५-०४-२२।