ढोलक
दिखावट

ढोलक (पञ्जाबी: ਢੋਲਕ, देवनागरी: ढोलक, सुरिनाम आ नेदरल्यान्डमे dhool) दक्षिण एशियाक एकटा लोकप्रिय हाथसँ बजाओल जाएबला ढोल अछि।
ढोलक मादल जकाँ काठ आ छालसँ बनाओल जाएबला एकटा तालवाद्य अछि। एकर दुनू सिरामे छाला तानल रहैत अछि। एकर बनावट सेहो मादलसँ बहुत मिलैत-जुलैत अछि। ढोलकक एकटा भागक भीतर खरी लगाओल जाइत अछि, जाहिसँ एकर आवाज विशेष बनैत अछि। एकरा हाथसँ पीटि कऽ बजाओल जाइत अछि।
नेपाल, भारत आ विश्वक अन्य बहुतो देशमे सहो प्रचलित अछि। ढोलक मुख्य रूपसँ भजन-कीर्तनमे बजाओल जाइत अछि, जखनकि लोकनृत्य, लोकगीत आ विभिन्न सांस्कृतिक कार्यक्रमसभमे एकर व्यापक प्रयोग होइत अछि। ई ढोल-परिवारक मध्यम आकारक एकटा लोकप्रिय तालवाद्य अछि।