तारानन्द वियोगी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

तारानंद वियोगी

महिषी, सहरसामे 1966 मे जन्म। पहिल प्रकाशित पोथी 'अपन युद्धक साक्ष्य' (गजल संग्रह 1991) । अन्य पुस्तक 'हस्तक्षेप' , 'प्रलयरहस्य', 'दुनिया घर मेहमान', 'साखी', 'धराशायी हेबाक समय'(कविता-संग्रह), 'बिटवीन द टू डैम्स', 'बुद्ध का दुख और मेरा', 'जैसे अंधेरे में चांद'(मैथिली कविताक अंग्रेजी आ हिन्दी अनुवाद),'अतिक्रमण', 'छियानत' (कथा-संग्रह), 'शिलालेख' (लघुकथा संग्रह), 'कर्मधारय','रामकथा आ मैथिली रामायण','बहुवचन 'धूमकेतु', 'महाप्रकाश', 'मंडन मिश्र: मिथक आ यथार्थ'(आलोचना), 'तुमि चिर सारथि', 'जीवन क्या जिया' (संस्मरण), 'युगों का यात्री'(यात्री नागार्जुनक जीवनी), राजकमल चौधरीक कथाकृति 'एकटा चंपाकली एकटा विषधर', 'देसिल बयना'(स्वातंत्र्योत्तर मैथिली कथा) संकलन-स‍पादन। साहित्य अकादेमी मैथिली बाल साहित्य पुरस्कार २०१०-तारानन्द वियोगीकेँ पोथी "ई भेटल तँ की भेटल" लेल। यात्री-चेतना पुरस्कार २०१० ई., विदेह सम्मान २०१३- डॉ. तारानन्द वियोगी।