थोमस् हार्डी
थोमस् हार्डी | |
|---|---|
हार्डी, सन् १९१० देखि १९९५ तस्बिर | |
| जन्म | २ जुन १८४० स्टिन्सफोर्ड, डोरसेट, इङ्गल्याण्ड |
| मृत्यु | ११ जनवरी १९२८ (८७ वर्ष) इङ्गल्याण्ड |
| संस्कार स्थल | स्टिन्सफोर्ड प्यारिस चर्च |
| मातृसंस्था | किङ्स कलेज, लन्डन |
| व्यवसाय | उपन्यासकार, कवि, कथाकार |
| अभियान | भिक्टोरिया काल |
| जीवनसाथी(सभ) |
|
| हस्ताक्षर | |

थोमस हार्डी, OM (२ जुन १८४० – ११ जनवरी १९२८) अंंग्रेजी कवि आ उपन्यासकार छल । ओ जर्ज इलिएट, विलियम वोर्डस्वर्थ आ चार्ल्स डिकेन्ससँ प्रभावित भेल छल ।[१][२]
अपन जिवन कालभर कविता लिख, ऊनकर पहिल कविता संग्रह सन् १८९८ पछा मात्र प्रकाशित भेल । सन् १९५० पछा मात्र ओ कविक रुपमे चिनै लगल ; उनकर कवित्वक प्रभाव ५० आ ६० कऽ दशकक कविसभमे रहल ।[३]
जीवनी
[सम्पादन करी]थोमस् हार्डीको जन्म सन् १८४० मे डोरचसटर, इङ्ग्लयान्डक पुर्वमे भेल । उनकर बाबू सिकर्मी छल माता जेमिमा (१८१३ - १९०४) शिक्षित छल आ घरमे हि थोमस्के पढाउवैत छलिन । आठ वर्षक उमेरमे थोमस् विद्यालयमे पढ्न सुरुवात केलक । मिस्टर लास्टस् एकेडेमी फर योङ जेन्टलमेन, मे ओ लेटिन सिकलक आ अन्य शैक्षिक योग्यता प्राप्त केलक ।[४] उनकर औपचारिक अध्ययन १६ वर्षमे रोकलक; ओ जेम्स हिक्स, एक स्थानिय शिल्पकारसग काम करैलगल । सन् १८६२ मे किङ्स् कलेज लन्डनमे पुग्नु पूर्व ओ शिल्पज्ञान नै सिकलक ।