दर्शनशास्त्र
दर्शनशास्त्र (प्राचीन यूनानी शब्द philosophía सऽ, शाब्दिक अर्थ — ‘ज्ञान सऽ प्रेम’) एकटा व्यवस्थित अध्ययन छी, जे अस्तित्व, ज्ञान, मन, तर्क, भाषा आ मूल्य जेकाँ विषयसभ सऽ सम्बन्धित सामान्य आ मौलिक प्रश्नसभक जाँच-पड़ताल करैत अछि। ई एकटा तार्किक आ समालोचनात्मक अनुसन्धान छी, जे अपन पद्धति आ धारणासभ पर स्वयं विचार करैत अछि।
इतिहासक दृष्टिसऽ, भौतिकी आ मनोविज्ञान जेका अनेक व्यक्तिगत विज्ञानसभ मूल रूपसँ दर्शनशास्त्रक हिस्सा रहल अछि। तथापि, आधुनिक युगमे ईसभ के स्वतन्त्र शैक्षणिक अनुशासनक रूपमे मानल जाएत अछि। दर्शनशास्त्रक इतिहासमे प्रभावशाली परम्परासभमे पश्चिमी, अरबी–फारसी, भारतीय आ चीनी दर्शन शामिल अछि। पश्चिमी दर्शनक उत्पत्ति प्राचीन यूनानमे भेल आ ई दर्शनशास्त्रक व्यापक उपक्षेत्रसभक समावेश करैत अछि। अरबी–फारसी दर्शनक एक प्रमुख विषय तर्क आ प्रकाशन (वह्य)क समन्ध अछि। भारतीय दर्शन आध्यात्मिक ज्ञानप्राप्तिक प्रश्न केँ वास्तविकताक स्वरूप आ ज्ञान प्राप्तिक उपायसभक खोजक संग जोड़ैत अछि। चीनी दर्शन मुख्य रूपसऽ उचित सामाजिक आचरण, शासन व्यवस्था आ आत्म-विकास सऽ जुड़ल व्यावहारिक प्रश्नसभ पर केन्द्रित अछि।
दर्शनशास्त्रक प्रमुख शाखासभ ज्ञानशास्त्र, नीतिशास्त्र, तर्कशास्त्र आ मेटाफिजिक्स अछि। ज्ञानशास्त्र ई अध्ययन करैत अछि जे ज्ञान की अछि आ एकरा कइयां प्राप्त कएल जा सकैत अछि। नीतिशास्त्र नैतिक सिद्धान्तसभक अनुसन्धान करैत अछि आ ई देखैत अछि जे सही आचरण की अछि। तर्कशास्त्र सही तर्कक अध्ययन छी आ ई देखैत अछि जे नीक तर्कसभक पहचान खराब तर्कसँ कइयां कएल जाए। मेटाफिजिक्स वास्तविकता, अस्तित्व, वस्तु आ गुणसभक सर्वाधिक सामान्य पहलूसभक जाँच करैत अछि।
अन्य उपशाखासभ छी सौन्दर्यशास्त्र, भाषा दर्शन, मन दर्शन, धर्म दर्शन, विज्ञान दर्शन, गणित दर्शन, इतिहास दर्शन आ राजनीतिक दर्शन। प्रत्येक शाखाक भीतर विभिन्न दार्शनिक परम्परासभ अछि, जे अलग-अलग सिद्धान्त, विचार वा पद्धतिसभक समर्थन करैत अछि।
दर्शनशास्त्रके परिभाषासभ
[सम्पादन करी]- सत्यके स्नेह कएनिहार व्यक्ति दार्शनिक होइत अछि।(Those who has are lovers of the vision of truth are Philosopher.) --Socrates
- पारलौकिक वस्तुसभके वास्तविक प्रकृति पत्ता लगाबैबाला विज्ञान दर्शन छी।(Philosophy as a science which discovers the real nature of supernatural things.) --Aristotal
- सम्पूर्ण काल खण्डसभक जननी आ दिमागके वास्तविक औषधि दर्शन छी।(Philosophy is the mother of the all arts and true medicine of mind .) --Cersero
- विज्ञानक आधारसभके तार्किक अध्ययनने दर्शन छी। (Philosophy is the logical study of the fundamental sciences.) --Bertrand Russell
दर्शनशास्त्रके क्षेत्रसभ
[सम्पादन करी]- वास्तविकताको सिद्धान्त :वास्तविकताको अध्ययन क्षेत्र : तत्व-मीमांसा (Metaphysics: Theory of reality )
शाश्वत सत्य वा निरपेक्ष सत्यको बास्तविकता के हो भनि अध्ययन गर्ने दर्शनशास्त्रको क्षेत्रलाई वास्तविकताको क्षेत्र भनिन्छ।
- धर्मशास्त्र (Theology /Notarions of God)
- आत्मासँ सम्बन्धित तत्वज्ञान (Metaphysics Regarding Soul: Nature of Man)
- ब्रमाण्डबिज्ञान (Science of Universe )
- सृस्टिबिज्ञान (Science of Creation)
- जीव सृस्टिबिज्ञान (Cosmology)
- ज्ञानसिद्धान्त: ज्ञान मीमांसा (Epistemology: Theory of Knowledge)
- मूल्यसिद्धान्त (Axiology: Theory of Value)
दर्शनशास्त्रके कार्यसभ
[सम्पादन करी]- व्याख्यात्मक कार्य (Descriptive Function )
- अनुमानित कार्य (Speculative Function)
- आदेशात्मक कार्य (Perscriptive Function)
- विश्लेषणात्मक कार्य (Analytical Function)
| विकिमिडिया कमन्समे Philosophyसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Pratt 2023, p. 169
- ↑ Morujão, Dimas & Relvas 2021, p. 105 | Mitias 2022, p. 3 }}