दुर्जोय दत्ता
| दुर्जोय दत्ता | |
|---|---|
| फाइल:DurjoyDatta.jpg | |
| जन्म | ७ फरबरी १९८७ दिल्ली, भारत |
| उपनाम | देब, सिद्धार्थ ओबेरोय |
| शिक्षा | दिल्ली कलेज अफ इन्जिनियरिङ , म्यानेजमेन्ट डेभलपमेन्ट इन्स्टीच्युट |
| शैली | युवा वयस्क उपन्यास, रोमांस, रोमाञ्चक] |
| उल्लेखनीय कामसभ | अफ कोर्स आई लव यु ..!, यु वेयर माइ कर्श!..., [[इफ इट्स नट फोरेभरIt]], टिल दी लास्ट ब्रेथ, समवन लायक यु , होल्ड माइ ह्यान्ड, व्हेन वानली लव रिमेन्स , सड्डा हक, वर्ल्ड्स डब्लु/ओ/आर/एस/टी बेस्ट बोय फ्रेन्ड, दी गर्ल अफ माइ ड्रिम्स |
| वर्ष आर nbsp; सक्रिय | २००८ – वर्तमान |
| जीवनसाथी | अवंतिका मोहन |
| Website | |
| आधिकारिक पृष्ठजाल | |
दुर्जोय दत्ता एक भारतीय उपन्यासकार छी। उनकर जन्म ७ फरवरी,१९८७ मे भेल। ओ टिभी आ चलचित्रसभक लेल सेहो लिखैत अछि। [१][२][३][४]ओ दिल्ली कलेज अफ इन्जिनियरिङसँ स्नातक आ फेर विपणनमे पीजीडीबीएम डिग्री प्राप्त करवाक लेल म्यानेजमेन्ट डेभलपमेन्ट इन्स्टीच्युट आ फ्रैङ्कफर्ट स्कूल अफ फाईनेन्स आ म्यानेजमेन्ट गेल।[५]ओ ग्रेपवाइन इण्डिया पब्लिशर्सक स्थापना केलक। ओ ९ उपन्यास लिखने अछि। २००९ मे द टाइम्स अफ इण्डिया अखबार उनका एक युवा उपलब्धिसभक रूपमे मान्यता देलक। २०११ मे उनका व्हीस्लिङ वुड्स इन्टरनेशनलमे मीडिया आ संचारक क्षेत्रमे एक युवा उपलब्धिसभक रूपमे चुनल गेल छल।[६] २०१२ मे, ओ शिक्षक उपलब्धि पुरस्कारमे शामिल होमए वाला प्राप्तकर्तासभमे सँ एक छल। ओ भारतभरमे विभिन्न कलेजसभमे टेडएक्स सम्मेलनसभमे भाषण देनए अछि। ओ कथा लेखनमे सर्वोच्च भारतीय लेखकसभमे सँ एक छी।[७]
व्यक्तिगत जीवन
[सम्पादन करी]दुर्जोय दत्ताक जन्म दिल्लीमे भेल। ओ ओही ठाम पर पलल-बढल। ओ अपन स्कूली शिक्षा बाल भारती पब्लिक स्कूल, पित्मपुरामे केलक।फेर ओ दिल्ली कलेज अफ इन्जिनियरिङमे स्नातक प्राप्त केलक। ओ अपन पोस्ट ग्रयाजुऐशन म्यानेजमेन्ट डेभलपमेन्ट इन्स्टिच्युट, गुडगाँव आ फ्रैङ्कफर्ट स्कूल अफ फाइनान्स आ म्यानेजमेन्टसँ प्राप्त केलक आ उनकर मुख्य विषय विपणन आ फाइनान्स छल। जखन ओ अपन कलेजक अन्तिम सालमे छल तखन ओ लिखनाए शुरु केनए छल।
करियर
[सम्पादन करी]दुर्जोय दत्ताक पहिल उपन्यास "अफ कर्स आई लव यु!" २००८ मे लिखने छल, जखन ओ केवल २१ वर्षक छल। ई उपन्यास उनकर दिल्ली कलेज अफ इन्जिनियरिङ कऽ अनुभव पर आधारित छल। उनकर दोसर किताब "नाउ द्याट यु आर रिच!" जे अगस्त २००९ मे आएल छल, पहिल रचनाक दोसर भाग छी।ई किताब उनकर सह-लेखक मानवी आहूजाक एक निवेश बैंक क अनुभव पर आधारित छल।उनकर तेसर किताब "शी ब्रोक उप, आई डिंट!"२०१० मे छपाएल छल, जे सभ क बहुत पसन्द आएल।२०१० मे उनकर चौथा रचना "ओह येस, आई एम सिङ्गल!" लिखल गेल छल जखन ओ चार महिना यूरोपमे छल।ई किताब दुर्जोयक सहयोगसँ, नीति रस्तोगी लिखलक, जे दुर्जोयक जीवन के घटनासभ पर आधारित छल।२०११ मे, म्यानेजमेन्ट डेभलपमेन्ट इन्स्टिच्युट, गुडगाँवसँ पास करै के बाद ओ सचिन गर्ग क साथ ग्रैपवाइन इण्डिया पब्लिशर्सक स्थापना केलक, किया की ओ नयाँ लेखकसभक मौका दै ल चाहैत छल।उनकर पाँचम किताब "यु वेयर माई क्रश" सितम्बर २०११ मे ग्रैपवाइन इण्डिया पब्लिशर्ससँ प्रकाशित भेल।ई हिन्दुस्तान टाइम्स बेस्टसेलर पर नम्बर ३ पर छल आ तीन लगातार हफ्ता क लेल ओतय रहल।"इफ इट्स नोट फोरेभर" उनकर छठम रचना छल, जे फरवरी २०१२ मे छपाएल छल।ई रचना सितम्बर २०११ दिल्ली हाई कोर्टमे बिस्फोटसँ प्रेरित छल।ई रचना किछु मित्रसभ क सडक यात्रा क बारेमे अछि जे, ओ विस्फोट स्थल पर एक जलल डायरी प्राप्त करै के बाद करैत अछि।ई हिन्दुस्तान टाइम्स पर नम्बर ६ पर छल।ओही वर्ष "टिल द लास्ट ब्रेथ" लिखल गेल छल, जे दुई युवासभ क बारेमे अछि जे किछु महिना क मेहमान छल।ई हिन्दुस्तान टाइम्स बेस्टसेलर पर नम्बर ३ पर छल।फरवरी २०१३ मे "समवन लाईक यु" किताब, ओ नीकिता सिंह क साथ लिखने छल, पेङ्गुइन इण्डियाद्वारा जारी केलक।ई हिन्दुस्तान टाइम्स बेस्टसेलर पर नम्बर ५ पर छल।दुर्जोय दत्ता क नौ-अम पुस्तक "होल्ड माई हेन्ड" ५ अगस्त २०१३ मे जारी कएल गेल छल।ई कहानी एक विद्वान आईटी ग्रेजुएट, दीप आ आहाना नामक एक दृष्टिहीन लडकी क प्यार क बारेमे आधारित छल।दुर्जोय दत्ता क किताबसभक सह-लेखक छल- मानवी आहूजा, नीति रस्तोगी, ओरवाना घाई आ नीकिता सिंह।
काम
[सम्पादन करी]उपन्यास
[सम्पादन करी]- अफ कर्स आई लभ यु..!...टील आई फाइन्ड समवन बेटर (सह-लेखक मानवी आहूजा) (२००८)
- नाउ द्याट यु आर रिच! लेट्स फल इन लभ! (सह-लेखक मानवी आहूजा) (२००९)
छोट कथासभ
[सम्पादन करी]- दी ईङ्गलिश टिचर (२०१२)
- शेड्स अफ लभ (योगदानकर्ता) (२०१२)
टेलिभिजन शो
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Aastha Atray Banan (२१ अप्रैल २०१२), "The Lovey-Dovey Boys", Open Magazine, अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २०१२।
- ↑ "About Durjoy - i2ikon profile", अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २०१२।[permanent dead link]
- ↑ "Street-smart best-sellers", Indian Express, अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २०१२।
- ↑ Hariharan, Nandhitha, "Man behind the words", द हिन्दू (Chennai, India), अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २०१२।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) [dead link] - ↑ Successstories.co.in"Durjoy datta, India youngest bestselling author, entrpreneur and publisher", मूलसँ २०१२-०५-१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ मई २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "happenings", अन्तिम पहुँच २९ नवम्बर २०११।
- ↑ "Youth Achiever"।