निपा भाइरस संक्रमण
निपा भाइरस संक्रमण Nipah virus infection | |
---|---|
![]() | |
हेनिपा भाइरस के संरचना | |
विशेषता | Infectious diseases ![]() |
लक्षण | ई सभ मे सँ कोनो नै, ज्वर, सर्दी-खाँसी, माथ दर्द, भ्रमित |
जटिलता | मस्तिष्क के सुजन, सीज्योर्स |
आरम्भिक लक्षण | १ सँ १५ दिन जोखिम के बाद |
कारण | निपा भाइरस (सीधा सम्पर्क सँ होएत अछि) |
नैदानिक विधि | लक्षण नजर आएला पर, प्रयोगशाला परिक्षण के बाद पुष्टि होइत अछि |
रोकथाम | चमगुदडी आओर रोगी सुगर के समपर्क मे आवै सँ बचनाए, कच्चा दारु नै पिनाए |
उपचार | सहायक देखभाल |
आवृति | ~७०० मानव मामला (१९९८ सँ मई २०१८) (कुल जोडि के, अनुमानित ५८२ मानव मामला अछि अक्टूबर २०१३ धरि) |
मृत्यु | ~५० सँ ७५% मृत्यु के सम्भावना |
निपा भाइरस के संक्रमण निपा भाइरस के कारण होए वाला एक भाइरल संक्रमण छी।[१]संक्रमण के लक्षण बुखार, खाँसी, माथदर्द, श्वास के तकलीफ आओर भ्रम के स्थिति सँ भिन्न होइत अछि।[२]ई एक वा दुई दिन मे कोमा मे जाए वाला स्थिति खराब बना सकैत अछि। जटिलतासभ मे मस्तिष्क के सुजन (फुइल जेनाए) शामिल भऽ सकैत अछि आओर संक्रमण के बाद दौरा (ह्यामरेज) भऽ सकैत अछि।
निपा भाइरस (एनआइभी), हेनिपभाइरस के वंशज के आरएनए मे आएल भाइरस के एकटा प्रकार छी। भाइरस सामान्य रूप सँ विशिष्ट प्रकार के फलसभ के आसपास मे रहल चमगुदडी के बीच घुमैत अछि। ई लोगसभ आओर अन्य जनावर सँ लोगसभ के बीच मे फैल सकैत अछि। साधारण रुप सँ एक गोटे संक्रमित स्रोत के सँगे सीधा समपर्क मे आवै सँ सरए के सम्भावना होइत अछि। निदान लक्षणसभ पर आधारित अछि आओर प्रयोगशाला परीक्षण द्वारा पुष्टि कल गेला के बाद शुरु होइत अछि।[३]
प्रबन्धन मे सहायक देखभाल शामिल अछि। २०१८ धरि कोनो सुईया वा विशिष्ट उपचार नै छल। रोकथाम चमगुदडी आओर रोगी सुगरसभ के समपर्क मे आवै सँ बचनाए अछि आओर कच्चा खजूर के रस (ताड के दारु) नै पिनाए अछि।[४]मई २०१८ मे निपा भाइरस के लगभग ७०० मानव मामला के अनुमान लगाओल गेल छल आओर संक्रमित होए वाला के ५० सँ ७५ प्रतिशत लोगसभ के मृत्यु होए के सम्भावना होइत अछि। मई २०१८ मे, भारतीय राज्य केरल मे ई रोग के प्रकोप सँ १७ गोटे के मृत्यु भेल छल।[५][६][७][८][९][१०]
ई रोग के पहिचान पहिल बेर १९९८ मे मलेसिया मे फैलए सँग शुरु भेल छल, जब की भाइरस के १९९९ मे अलग करि देल गेल छल। एकर नाम मलेसिया के एकटा गाम सुङ्गाई निपा के नाम पर रखल गेल अछि। सुगरसभ के सेहो संक्रमित भऽ सकैत अछि आओर १९९९ मे मलेसियाली अधिकारीसभ द्वारा रोग के प्रसार के रोकए के लेल लाखौं सुगरसभ के मारल गेल छल।[११]
लक्षण[सम्पादन करी]
एकर लक्षण संक्रमण सँ ५-१४ दिन के बाद देखाए दैत अछि। प्रारमभिक लक्षण ज्वर, माथदर्द, ओङ्घानाए के बाद भ्रमित आओर मानसिक भ्रम होइत अछि। एकर लक्षण २४-४८ घण्टा मे एहन भऽ सकैत अछि जे कोमा मे तेजी सँ आगा बढा सकैत अछि। इन्सेफ्लाइटिस, मस्तिष्क के सुजन, निप्पा भाइरस के संक्रमण एकटा सम्भावित घातक जटिलता छी।
जोखिम[सम्पादन करी]
अस्पताल के कर्मचारीसभ आओर भाइरस सँ संक्रमित लोगसभ के देखभाल करए वाला के लेल संक्रमण के जोखिम अधिक होइत अछि। मलेसिया आओर सिंगापुर मे, संक्रमित सुगरसभ के निकट सम्पर्क वाला लोगसभ मे निपा भाइरस के संक्रमण भेल छल। बङ्लादेश आओर भारत मे, ई रोग, कच्चा खजुर के रस (ताडी) के सेवन आओर चमगुदडी द्वारा आंशिक रूप सँ खाए जाए वाला फल के खाए आओर चमगुदडीसभ द्वारा बैसल कुँवा के पानि के उपयोग करए सँ जोडल गेल छल।[१२][१३]
-
निपा भाइरस कोना सरैत अछि । [१४]
-
फ्रुट ब्याट निपा भाइरस के प्राकृतिक जलाशय छी ।
निदान[सम्पादन करी]
निपा भाइरस संक्रमण के प्रयोगशाला निदान रोग के तीव्र आओर संवेदनशील चरणसभ के दौरान गर्दन के स्वाब, मस्तिष्क मेरु द्रव, मूत्र आओर रक्त विश्लेषण सँ रिभर्स ट्रान्सक्रिपटेस पोलीमरेज चेन रिएक्शन (आरटी-पीसीआर) के उपयोग करि के कएल जाइत अछि। आईजीजी आओर आईजीएम एन्टीबडी के पता निपा भाइरस के संक्रमण के पुष्टि करवाक लेल रिकभरी के बाद कएल जाइत अछि। स्वाब परीक्षण के दौरान एकत्र चीरफाड पर इम्यूनोहिस्टोकेमिस्ट्री सेहो रोग के पुष्टि करैत अछि। भाइरल आरएनए के संक्रमित व्यक्तिसभ के लार (थुक) सँ अलग कएल जाइत अछि।[१५]
रोकथाम[सम्पादन करी]
उपचार[सम्पादन करी]
प्रकोप[सम्पादन करी]
केरल मे एकर प्रकोप[सम्पादन करी]
रिसर्च[सम्पादन करी]
भ्याक्सिन[सम्पादन करी]
लोकप्रिय संस्कृति[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "WHO Nipah Virus (NiV) Infection", www.who.int, मूलसँ १८ अप्रैल २०१८-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ मई २०१८।
- ↑ "Signs and Symptoms Nipah Virus (NiV)", CDC (en-usमे), अन्तिम पहुँच २४ मई २०१८।
- ↑ "Diagnosis Nipah Virus (NiV)", CDC (en-usमे), २० मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच २४ मई २०१८।
- ↑ "Prevention Nipah Virus (NiV)", CDC (en-usमे), २० मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच २४ मई २०१८।
- ↑ "A treatment for and vaccine against the deadly Hendra and Nipah viruses", Antiviral Research 100 (1): 8–13, अक्टुबर २०१३, डिओआई:10.1016/j.antiviral.2013.06.012, पिएमआइडी 23838047, पिएमसी 4418552।
- ↑ "Nipah virus outbreaks in the WHO South-East Asia Region", South-East Asia Regional Office, WHO, अन्तिम पहुँच २३ मई २०१८।
- ↑ "Morbidity and mortality due to Nipah or Nipah-like virus encephalitis in WHO South-East Asia Region, 2001-2018", SEAR, अन्तिम पहुँच २ जून २०१८, "112 cases since Oct 2013"
- ↑ CNN, Manveena Suri (२२ मई २०१८), "10 confirmed dead from Nipah virus outbreak in India", CNN, अन्तिम पहुँच २५ मई २०१८।
- ↑ "Nipah virus outbreak: Death toll rises to 14 in Kerala, two more cases identified", Hindustan Times, २७ मई २०१८, अन्तिम पहुँच २८ मई २०१८।
- ↑ "After the outbreak", Frontline (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०७-१०।
- ↑ "Nipah Virus (NiV) CDC", www.cdc.gov (en-usमे), CDC, मूलसँ १६ दिसम्बर २०१७-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ मई २०१८।
- ↑ Luby, Stephen P.; Gurley, Emily S.; Hossain, M. Jahangir (2012). Transmission of Human Infection with Nipah Virus. National Academies Press (US). https://www.ncbi.nlm.nih.gov/books/NBK114486/. अन्तिम पहुँच तिथि: 21 May 2018.
- ↑ Balan, Sarita (२१ मई २०१८), "6 Nipah virus deaths in Kerala: Bat-infested house well of first victims sealed", The News Minute, मूलसँ २२ मई २०१८-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ मई २०१८।
- ↑ "Nipah Virus Infection symptoms, causes, treatment, medicine, prevention, diagnosis", myUpchar, अन्तिम पहुँच २७ जनवरी २०२०।
- ↑ "Deciphering Nipah: All you need to know about the deadly virus", OnManorama (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०६-०४।