सामग्री पर जाएँ

निल आर्मस्ट्रङ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
निल आर्मस्ट्रङ
Neil Armstrong
जुलाई १९६९ मे स्पेस सुटमे आर्मस्ट्रङ, हेल्मेट खोलैत
निल आर्मस्ट्रङ १९६९
नासा अन्तरिक्ष यात्री
राष्ट्रियताअमेरिकी
जन्म(१९३०-०८-०५)अगस्त ५, १९३०
ओहायो, संयुक्त राज्य अमेरिका
मृत्युअगस्त २५, २०१२(२०१२-०८-२५) (८२ वर्ष)
सिनसिनाटी, ओहायो, संयुक्त राज्य अमेरिका
अन्य नाम
निल एल्डेन आर्मस्ट्रङ
पहिलुका पेशा
नौसेना, विमान चालक
अन्तरिक्षमे बिताएल समय
८ दिन, १४ घण्टा, १२ मिनेट आ ३० सेकेन्ड
चुनावअन्तरिक्षमे मानव सन् १९५८
१९६० डायना-सोर
सन् १९६२ नासा समूह
कूल वाहन गतिबिधि समय
२ घण्टा ३१ मिनेट
मिसनजेमिनी ८, अपोलो ११
मिसन प्रतिक चिन्ह
पुरस्कारUnited States Naval Aviator/Astronaut Insignia NASA Civilian Astronaut Wings प्रेसिडेन्सियल मेडल अफ फ्रीडम कङ्ग्रेसनल स्पेस मेडल अफ अनर

निल आर्मस्ट्रङ (Neil Alden Armstrong) (अगस्त ५, १९३० अगस्त २५, २०१२) एक अमेरिकी अन्तरिक्ष यात्रीचन्द्रमामे कदम राखनिहार पहिल व्यक्ति छल । एकर वाहेक ओ एक एयरोस्पेस इञ्जीनियर, नौसेना अधिकारी, परीक्षण पायलट, आ प्रोफेसर सेहो छल । अन्तरिक्ष यात्री बनैसँ पूर्व ओ नौसेनामे छल । नौसेनामे रहैत ओ कोरिया युद्धमे सेहो हिस्सा लेनए छल । नौसेनाक बाद ओ पुरुडु विश्वविद्यालयसँ स्नातक उपाधि लेलक आ तत्पश्चात् एक ड्राइडेन फ्लाइट रिसर्च सेन्टरसँ जुड़ल आ एक परीक्षण पायलटक रूपमे ९०० सँ अधिक उड़ान भरलक । एतय सेवा देलाक बाद ओ दक्षिण क्यालिफोर्निया विश्वविद्यालयसँ विद्यावारिधिक उपाधि हासिल केनए छल ।

आर्मस्ट्रङक मुख्यतः अपोलो अभियानक अन्तरिक्ष यात्रीक रूपमे चन्द्रमा पर कदम राखनिहार पहिल व्यक्तिक रूपमे जानल जाइत अछि । एहिसँ पहिने ओ जेमिनी अभियानक दौरान सेहो अन्तरिक्ष यात्रा करि चुकल छल ।[] अपोलो ११, ओ अभियान छल जहिमे जुलाई १९६९ मे पहिल बेर चन्द्रमा पर मानव सहित कोनो यान अवतरण कएलक आ आर्मस्ट्रङ एकर कमान्डर छल । एकर वाहेक ओ यानमे बज एल्ड्रिन, जे चन्द्रमा पर कदम राखनिहार दोसर व्यक्ति बनल, आ माइकल कलिन्स जे चन्द्रमाक कक्षामे चक्कर लगावैत मुख्य यानमे बैठल रहल, शामिल छल ।

अपन साथिसभक संग, ई उपलब्धिक लेल आर्मस्ट्रङके राष्ट्रपति निक्सनक हाथसँ प्रेसिडेन्सियल मेडल फ फ्रीडम सँ सम्मानित कएल गेल । राष्ट्रपति जिमी कार्टरद्वारा हुनका सन् १९७८ मे कङ्ग्रेसनल स्पेस मेडल अफ अनर प्रदान केनए छल आ आर्मस्ट्रङ आ हुनकर सङ्गीक वर्ष २००९मे कङ्ग्रेसनल गोल्ड मेडल देल गेल ।

आर्मस्ट्रङक मृत्यु, सिनसिनाटी, ओहायोमे २५ अगस्त २०१२क ८२ वर्षक उमरमे बाइपास सर्जरीक पश्चात् भेल छल ।[][]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Gemini 1965–1966" [जेमिनी १९६५-१९६६], Spacecollection.info, मूलसँ २०११-०५-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ मई २०११ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "Neil Armstrong's Death—a Medical Perspective" [नील आर्मस्ट्रांग की मृत्यु - एक चिकित्सकीय पहलू], साइंटिफिक अमेरिकन, अन्तिम पहुँच ३० दिसम्बर २०१२
  3. "Space legend Neil Armstrong dies" [अंतरिक्ष कथापुरुष आर्मस्ट्रांग का निधन], सीएनएन, अन्तिम पहुँच ३० दिसम्बर २०१२

अन्य पुस्तकसभ

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

आर्मस्ट्रङक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]