निल आर्मस्ट्रङ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
निल आर्मस्ट्रङ
Neil Armstrong
जुलाई १९६९ मे स्पेस सुटमे आर्मस्ट्रङ, हेल्मेट खोलैत
निल आर्मस्ट्रङ १९६९
नासा अन्तरिक्ष यात्री
राष्ट्रियताअमेरिकी
जन्म(१९३०-०८-०५)अगस्त ५, १९३०
ओहायो, संयुक्त राज्य अमेरिका
मृत्युअगस्त २५, २०१२(२०१२-०८-२५) (८२ वर्ष)
सिनसिनाटी, ओहायो, संयुक्त राज्य अमेरिका
अन्य नाम
निल एल्डेन आर्मस्ट्रङ
पहिलुका पेशा
नौसेना, विमान चालक
अन्तरिक्षमे बिताएल समय
८ दिन, १४ घण्टा, १२ मिनेट आ ३० सेकेन्ड
चुनावअन्तरिक्षमे मानव सन् १९५८
१९६० डायना-सोर
सन् १९६२ नासा समूह
कूल वाहन गतिबिधि समय
२ घण्टा ३१ मिनेट
मिसनजेमिनी ८, अपोलो ११
मिसन प्रतिक चिन्ह
पुरस्कारUnited States Naval Aviator/Astronaut Insignia NASA Civilian Astronaut Wings प्रेसिडेन्सियल मेडल अफ फ्रीडम कङ्ग्रेसनल स्पेस मेडल अफ अनर

निल आर्मस्ट्रङ (Neil Alden Armstrong) (अगस्त ५, १९३० – अगस्त २५, २०१२) एक अमेरिकी अन्तरिक्ष यात्रीचन्द्रमामे कदम राखनिहार पहिल व्यक्ति छल । एकर वाहेक ओ एक एयरोस्पेस इञ्जीनियर, नौसेना अधिकारी, परीक्षण पायलट, आ प्रोफेसर सेहो छल । अन्तरिक्ष यात्री बनैसँ पूर्व ओ नौसेनामे छल । नौसेनामे रहैत ओ कोरिया युद्धमे सेहो हिस्सा लेनए छल । नौसेनाक बाद ओ पुरुडु विश्वविद्यालयसँ स्नातक उपाधि लेलक आ तत्पश्चात् एक ड्राइडेन फ्लाइट रिसर्च सेन्टरसँ जुड़ल आ एक परीक्षण पायलटक रूपमे ९०० सँ अधिक उड़ान भरलक । एतय सेवा देलाक बाद ओ दक्षिण क्यालिफोर्निया विश्वविद्यालयसँ विद्यावारिधिक उपाधि हासिल केनए छल ।

आर्मस्ट्रङक मुख्यतः अपोलो अभियानक अन्तरिक्ष यात्रीक रूपमे चन्द्रमा पर कदम राखनिहार पहिल व्यक्तिक रूपमे जानल जाइत अछि । एहिसँ पहिने ओ जेमिनी अभियानक दौरान सेहो अन्तरिक्ष यात्रा करि चुकल छल ।[१] अपोलो ११, ओ अभियान छल जहिमे जुलाई १९६९ मे पहिल बेर चन्द्रमा पर मानव सहित कोनो यान अवतरण कएलक आ आर्मस्ट्रङ एकर कमान्डर छल । एकर वाहेक ओ यानमे बज एल्ड्रिन, जे चन्द्रमा पर कदम राखनिहार दोसर व्यक्ति बनल, आ माइकल कलिन्स जे चन्द्रमाक कक्षामे चक्कर लगावैत मुख्य यानमे बैठल रहल, शामिल छल ।

अपन साथिसभक संग, ई उपलब्धिक लेल आर्मस्ट्रङके राष्ट्रपति निक्सनक हाथसँ प्रेसिडेन्सियल मेडल फ फ्रीडम सँ सम्मानित कएल गेल । राष्ट्रपति जिमी कार्टरद्वारा हुनका सन् १९७८ मे कङ्ग्रेसनल स्पेस मेडल अफ अनर प्रदान केनए छल आ आर्मस्ट्रङ आ हुनकर सङ्गीक वर्ष २००९मे कङ्ग्रेसनल गोल्ड मेडल देल गेल ।

आर्मस्ट्रङक मृत्यु, सिनसिनाटी, ओहायोमे २५ अगस्त २०१२क ८२ वर्षक उमरमे बाइपास सर्जरीक पश्चात् भेल छल ।[२][३]

जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Gemini 1965–1966" [जेमिनी १९६५-१९६६], Spacecollection.info, मूलसँ २०११-०५-१३-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ मई २०११  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  2. "Neil Armstrong's Death—a Medical Perspective" [नील आर्मस्ट्रांग की मृत्यु - एक चिकित्सकीय पहलू], साइंटिफिक अमेरिकन, अन्तिम पहुँच ३० दिसम्बर २०१२ 
  3. "Space legend Neil Armstrong dies" [अंतरिक्ष कथापुरुष आर्मस्ट्रांग का निधन], सीएनएन, अन्तिम पहुँच ३० दिसम्बर २०१२ 

अन्य पुस्तकसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

आर्मस्ट्रङक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]