नीलम देओ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सन् २०१२ मे हेलिफ्याक्स इन्टरनेसनल सिक्योरिटी फोरममे नीलम देओ

नीलम देओ सन् १९७५ ब्याचक भारतीय विदेश सेवा (आइएफएस) अधिकारी छी, जे डेनमार्ककोटे डी आइभोरमे भारतक राजदूतक रूपमे सेवा केलक, जे सिएरा लियोन, नाइजरगिनीकें समवर्ती मान्यता प्राप्त अछि। अपन राजनयिक करियरक अन्तरालमे ओ दुई अवसरमे अमेरिकामे वाशिङ्गटन, डीसी (१९९२-१९९५) आ न्यू योर्क (२००५-२००८) मे कार्यरत छल। न्यू योर्कमे महावाणिज्य दूतक रूपमे, ओ निवेश प्रोत्साहन गतिविधिसभमे काज केनए छल। भारतीय विदेश सेवामे ३३ सालक सेवाक बाद, ओ सन् २००९ मे गेटवे हाउस: इन्डियन काउन्सिल अन ग्लोबल रिलेसन्सक सह-स्थापना केलक। ओ सेन्टर फर एयर पावर स्टडीज ऽक सङ्ग एक प्रतिष्ठित साथी, द क्लाइमेट ग्रुपक सलाहकार छी।

शिक्षा[सम्पादन करी]

नीलम देओ दिल्ली स्कूल अफ इकोनोमिक्स सँ अर्थशास्त्र विषयमे स्नातोकोत्तर पूरी केनए अछि। भारतीय विदेश सेवामे शामिल होमए सँ पहिने, ओ सन् १९७१ सँ सन् १९७४ धरि कमला नेहरू कौलेज, दिल्ली विश्वविद्यालयमे अर्थशास्त्रक अध्यापन केनए छल। ओ विशेष रूप सँ, अफ्रिका, दक्षिण पूर्व एसिया, भारत-संयुक्त राज्य अमेरिकाक मुद्दासभक बारेमे व्यापक ज्ञान आ जोखिम पर नजर रखैत अछि। बंगलादेश आ अन्य सार्क पड़ोसी देश सँ द्विपक्षीय सम्बन्धमे सेहो हुनकर बढिया दखल अछि।[१]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

नीलम देओक विवाह भारतीय प्रशासनिक सेवाक एक अधिकारी प्रमोद देओ सँ भेल अछि, जे भारतक पूर्वमे केन्द्रीय विद्युत नियामक आयोगक अध्यक्ष छल।[२] नीलम आ प्रमोद कऽ एक बेटी अछि, जे पेङसिल्वेनिया कऽ लेह विश्वविद्यालयमे राजनीति विज्ञानक एसोसिएट प्रोफेसर छी।

राजनयिक करियर[सम्पादन करी]

इटलीमे भारतीय विदेश सेवा (१९७७-१९८०) कऽ सङ्ग अपन करियरक शुरुआत केनए छल। एकर बाद ओ थाइल्यान्डमे एक राजनीतिक आ प्रेस अधिकारी (१९८४-१९८७) कऽ रूपमे जिम्मेदारी शामिल अछि। विदेश मन्त्रालयमे अपने कार्यक अन्तरालमे ओ बंगलादेश, श्रीलंका, म्यानमारमाल्दिभ्सक संयुक्त सचिव छल। एकर बाद ओ डेनमार्क (१९९६-१९९९) मे एक राजदूतक रूपमे नियुक्त कएल गेल आ ओकर बाद ओ कोटे डी आइभोर (१९९९-२००२) मे राजदूतक रूपमे काज केलक। सिएरा लियोन, नाइजर आ गिनीके समवर्ती मान्यता प्रदान कएल गेल छल। हुनकर अन्तिम कार्य (२००५-२००८) न्यू योर्कमे महावाणिज्यदूतक रूपमे छल। रणनीतिक मुद्दासभ पर अमेरिकी काङ्ग्रेस, थिङ्क ट्याङ्क आ विश्वविद्यालयसभक सङ्ग सम्पर्क, ओकर विशेष जिम्मेदारिसभमे सँ एक छल।[३]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Gateway House Biodata"मूलसँ 2013-01-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-26 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Pramod Deo"
  3. "Career"। Gateway House: Indian Council on Global Relations। मूलसँ 2013-01-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-26 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]