नूरजहाँ कऽ मकबरा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नूरजहाँ कऽ मकबरा
Tomb of Nur Jahan
مقبرہ نورجہاں
नूरजहाँ कऽ मकबरा लाहोरपर अवस्थित
नूरजहाँ कऽ मकबरा
लाहोरमे स्थान
नूरजहाँ कऽ मकबरा Pakistanपर अवस्थित
नूरजहाँ कऽ मकबरा
लाहोरमे स्थान
निर्देशाङ्कनिर्देशाङ्क: ३१°३७′१५″N ७४°१७′४१″E / ३१.६२०९°N ७४.२९४७°E / 31.6209; 74.2947
स्थानलाहौर, पञ्जाब, पाकिस्तान
प्रकारमकबरा

नूरजहाँ कऽ मकबरा १७हम् शताब्दीमे मुगल बादशाह जहाँगीर अपन बारहम् घरवाली नूरजहाँक लेल बनेने छल। मुगल वास्तुकलामे निर्मित ई मकबरा पाकिस्तानक लाहौरमे रावी नदीक पार शाहदरा बागमे अवस्थित अछि, जतय ओकर घरवला जहाँगीर आ भाए आसिफ खानक समाधि अछि।[१][२][३][४] ई मकबरा चारि वर्षमे ३ लाख रुपयाक लागत सँ बनाएल गेल छल। मुदा १८हम् शताब्दीमे अमृतसरमे रहल स्वर्ण मन्दिरमे उपयोगक लेल मकबराक सङ्गमरमरकेँ लुटल गेल छल।[५]

स्थान[सम्पादन करी]

ई मकबरा लाहोर शहर सँ रावी नदीक पार शाहदरा बागमे अवस्थित अछि। ई कब्र अगल बगलक स्मारकसभक एक समूहक हिस्सा छी, जहिमे जहाँगीर कऽ मकबरा, अकबरी सराय, सङ्गे आसिफ खान कऽ मकबरा सेहो शामिल अछि। नूरजहाँ कऽ मकबरा अन्य स्मारकसभ सँ खुला मैदानसभ सँ अलग भऽ गेल छल,[४] जकरा बादमे ब्रिटिश कालक समयमे लाहोर-पेशावर रेलवे लाइनक निर्माण सँ बाधित कएल गेल छल।

इतिहास[सम्पादन करी]

नूरजहाँ जहाँगीरक सभसँ प्रिय रानी छल आ सङ्गे भारतीय इतिहासक सभ सँ शक्तिशाली महिलासभमे सँ एक छी। सन् १६११ आ सन् १६२७ कऽ बीच अपन शासनकालक समयमे ओ अपन प्रभावी रूप सँ मुगल साम्राज्यकेँ विस्तार केनए छल आ धार्मिक क्षेत्रमे अपन योगदान देलक आ विदेशी व्यापारकेँ सेहो बढ़ावा देनए छल। १८ वर्षधरि जहाँगीरक सङ्ग रहलाक बाद ६८ वर्षक आयुमे ओकर मृत्यु भऽ गेल। अधिकांश मकबराक निर्माण सम्भवतः हुनकर जीवनकालक समयमे कएल गेल छल। तीन लाख रुपयाकेँ लागत सँ मकबरा बनेबाक लेल चारि वर्षक समय लागल छल।[६] मुगल सिंहासन पर शाहजहाँक चढ़ाई करलाक बाद, ओकरा २,००,००० रुपयाकेँ वार्षिक भत्ता प्रदान कएल गेल छल।

नूरजहाँक मकबरा सहित शाहदरा स्मारकसभक पहनावा ब्रिटिश शासनक अधीन छल जखन आसिफ खान आ नूरजहाँक कब्रसभक बीच एक रेलवे लाइन बनाएल गेल छल।[४][७]

अमृतसरमे स्वर्ण मन्दिरकेँ सजाबैक लेल बहुत बेसी सामग्रीसभक उपयोग कएल गेल छल[१][२][३] आ ई कहल गेल अछि जे स्वर्ण मन्दिरक आधा हिस्सा नूरजहाँ कऽ मकबरा सँ लुटल गेल सङ्गमरमर सँ बनाएल गेल अछि।[८]

वास्तु-कला[सम्पादन करी]

अपन पिताक उज्जर सङ्गमरमरमे निर्मित मकबराक विपरीत, नूरजहाँ कऽ मकबरा हुनकर पतिक कब्र (जहाँगीर कऽ मकबरा)केँ समान लाल बलुआ पत्थर सँ बनल अछि। मकबराकेँ पोडियम पर बनाएल गेल छल। आन्तरिक तल सङ्गमरमर सँ आ बाहरी मञ्च बलुआ पत्थर सँ बनाएल गेल अछि। कब्र फारसी शैलीक चारबागक बीचमे अवस्थित अछि।

चित्रदीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ The Calcutta Review, Volumes 72-73. University of Calcutta. 1881. https://books.google.com/books?id=ebegAAAAMAAJ&pg=PA60&dq=nur+jahan+tomb+golden+temple&hl=en&sa=X&ved=0ahUKEwjrzrGJoaTWAhWERCYKHYTDDKw4MhDoAQg3MAM#v=onepage&q=nur%20jahan%20tomb%20golden%20temple&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2017. 
  2. २.० २.१ Bhalla, A.S. (2009). Royal tombs of India: 13th to 18th century. Mapin. प॰ 119. आइएसबिएन 9788189995102. https://books.google.com/books?id=PVlJAQAAIAAJ&dq=nur+jahan+tomb+golden+temple&focus=searchwithinvolume&q=golden+temple. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2017. 
  3. ३.० ३.१ Saladin, Henri; Migeon, Gaston (2012). Art of Islam. Parkstone International. प॰ 94. आइएसबिएन 9781780429939. https://books.google.com/books?id=yuRQQiUHwQMC&dq=nur+jahan+tomb+golden+temple&source=gbs_navlinks_s. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2017. 
  4. ४.० ४.१ ४.२ "Tomb of Asif Khan" (PDF)। Global Heritage Fund। अन्तिम पहुँच 14 September 2017
  5. Mukhia, Harbans (1984-03)। "Review symposium : II Chapters: III North India Under the Sultanate (sections 1-3) VII The State and the Economy: The Mughal Empire VIII The Systems of Agricultural Production: Mughal India IX Non-Agricultural Production: Mughal India"The Indian Economic & Social History Review21 (1): 116–120। doi:10.1177/001946468402100107ISSN 0019-4646 {{cite journal}}: Check date values in: |date= (help)
  6. Banks., Findly, Ellison (1993). Nur Jahan, empress of Mughal India. New York: Oxford University Press. आइएसबिएन 142373663X. OCLC 191946585. https://www.worldcat.org/oclc/191946585. 
  7. Malik, Sonia (17 July 2012)। "Restoration of Nur Jahan's Tomb to begin soon"The Express Tribune। अन्तिम पहुँच 6 December 2013
  8. Curator of Ancient Monuments (1885). Preservation of National Monuments: ... Report of the Curator of Ancient Monuments in India for the Year ..., Issue 3. Government Central Branch Press. https://books.google.com/books?id=JiUAAAAAQAAJ&pg=PR119&dq=nur+jahan+tomb+plundered&hl=en&sa=X&ved=0ahUKEwj1yse4naTWAhUDbSYKHRJ2BBIQ6AEILjAB#v=onepage&q=nur%20jahan%20tomb%20plundered&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2017. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]