परवीन सुल्ताना
परवीन सुल्ताना Parveen Sultana | |
---|---|
पृष्ठभूमि जानकारी | |
जन्म | १० जुलाई १९५० |
मूल | नागाँव, असम, भारत |
शैली | ख्याल, भजन, ठुमरी |
कार्यसभ | हिन्दुस्तानी शास्त्रीय सङ्गीत |
बाद्ययन्त्र | स्वर |
सक्रियता वर्ष | १९६२-वर्तमान |
परवीन सुल्ताना एक गायिका छी जिनका सन् १९७६ मे मात्र २३ सालक उमरमे (एक कीर्तिमान) पद्मश्री पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल। एहि वाहेक परवीन सुल्ताना कें सन् १९७२ मे क्लियोपेट्रा अफ म्युजिक, सन् १९८० मे गन्धर्व कला नीधि, सन् १९८६ मे मियाँ तानसेन पुरस्कार तथा सन् १९९९ मे सङ्गीत नाटक एकेडमी पुरस्कार कऽ सङ्गे अनेको पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल अछि। परवीन सुल्तानाक स्वर एखनो सदाबहार अछि।
जीवनी
[सम्पादन करी]गीतकें अपन अन्तरात्मा माननिहार शास्त्रीय गायिका परवीन सुल्तानाकें जन्म-भूमि असम आ कर्म-भूमि मुम्बई रहल अछि। हिनकर सम्बन्ध पटियाला घराना सँ अछि। असमिया पृष्ठभूमि सँ आएल परवीन सुल्ताना पटियाला घराना गायकीमे अपन अलग मुकाम बनाए लेनए अछि। हिनकर परिवारमे पीढ़ि दर पीढ़ि सँ शास्त्रीय सङ्गीतकें परम्परा रहि आएल अछि। परवीन सुल्तानाक गुरुसभमे आचार्य चिन्मय लाहिरी आ उस्ताद दिलशाद खान प्रमुख अछि।
करियर
[सम्पादन करी]परवीन मात्र १२ वर्षक उमरमे सन् १९६२ मे पहिल रङ्गमञ्च कला प्रदर्शन केनए छल आ सन् १९६५ सँ ओ सङ्गीत रेकर्ड करवा रहल अछि। ओ अपन व्यावसायिक करियरक आरम्भ अब्दुल माजिदक आसामी चलचित्र मोरोम तृष्णा सँ केनए छल। सुल्ताना कयन बलिउड चलचित्रसभमे अपन गायन कलाक प्रदर्शन केनए अछि जहिमे सभ सँ चर्चित गदर: एक प्रेम कथा, कुदरत, दो बुन्द पानी आ पाकिजा छी। बलिउड चलचित्रमे गायन करवाक सङ्ग सङ्गे ओ आसामी चलचित्रमे सेहो सक्रिय रहैत छल। एखन सभ सँ बेतरतीब बलिउड गीत ओ चलचित्र १९२० मे गाबने छल जकर निर्देशन विक्रम भट्ट केनए अछि।[१] परवीन सन् १९८१ मे आएल हिन्दी चलचित्र कुदरत मे हमें तुम्से प्यार कितना बोलकें गीत गाबने अछि।
ओ एचएमभी, पोलीडोर, म्युजिक इन्डिया, भारत रेकर्ड्स, मग्नसाउन्ड, सोनोडिस्क आ एमिगोक लेल अपन गाना रेकर्ड केनए अछि। मात्र २५ वर्षक उमरमे हिनकर कलाकें सम्मान करैत भारत सरकार हिनका पद्मश्री पुरस्कार सँ सम्मानित केनए छल।
विवाह
[सम्पादन करी]उस्ताद दिलशाद खान साहब सँ गायकीकें क्षेत्रमे शिक्षा लऽ चुकल परवीन सन् १९७५ मे दिलशाद खान साहब सँ विवाह केनए छल। कयन चलचित्रमे गीत गाबि चुकल परवीन एखन अपन पति दिलशादकें सङ्ग मिल पुरे विश्वमे बहुतेक सांस्कृतिक कार्यक्रम करि चुकल अछि।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Express Features Service (30 अगस्त 2008)। "Malhar Magic"। Express India। मूलसँ 21 सितम्बर 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 5 जुन 2012।
{{cite web}}
: Unknown parameter|deadurl=
ignored (|url-status=
suggested) (help)